मधुबनी। 13 अक्टूबर। लोक कला कुंभ द्वारा संचालित आर बॉलीवुड डांस स्कूल द्वारा आयोजित झिझिया उत्सव सफलतापूर्वक संपन्न भेल। झिझिया गीत-नृत्य क' बढ़ावा देबाक लेल संगहि एहि लोक संस्कृति व धरोहर क' संरक्षित रखबाक उद्देश्य सँ दशहरा म' वालीवुड डांस स्कूल केँ बाल कलाकार सभ द्वारा झिझिया उत्सव केर दौरान मनमोहक प्रस्तुति कायल गेल। 10 बाल कलाकारक टीम दशहरा म' 18 गाम म' दुर्गापूजा स्थल पर पहुँच आरती केँ समय झिझिया गीत-नृत्य केर प्रस्तुति सँ श्रद्धालु भक्त लोकनिक मोन मोहि लेलन्हि।
एहि कार्यक्रम म' महिला सभ छिद्र बला मटका माथ पर राखी झिझिया गीत गाबैत नृत्य करैत छली। गीत व नृत्य केर प्रस्तुति एहि प्रकारे होयत छल कि मटका केँ छिद्र गनल नै जे सके। ओतहि वालीवुड डांस स्कूल परिसर सँ विशेष कार्यक्रम के तहत झांकी सेहो निकालल गेल। झांकी कारकपट्टी, ग्रियर्सन बाजार दुर्गा मंदिर परिसर, महिला कालेज, काली मंदिर, बीएन झा कालोनी, गौशाला दुर्गामंदिर परिसर होयत बाबूसाहेब परिसर पहुँचल।
एहि दौरान नगर पार्षद पूनम गोईत, मुखिया अजीत पासवान समेत बहुतो रास लोग मौजूद छलाह। वालीवुड के नामचीन अभिनेता व राजनगर प्रखंड के कोईलख निवासी नरेन्द्र झा झिझिया गीत-नृत्य केर बेहतर प्रस्तुति लेल 10 बच्चिया क' झिझिया बेटिया केर रुप म' सम्मानित केलन्हि, जाहि म' आयुषी, रितिका, सोनाली, मुस्कान, रजनी, प्रिया, पिंकी, गुड़िया, मुमुक्षु गौतम आदि शामिल छली। एहि सँ पहिने भगवान लाल प्रसाद वालीवुड के अभिनेता नरेन्द्र झा क' पाग-दोपट्टा सँ सम्मानित केलन्हि।

एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।