मुजफ्फरपुर। 04 अक्टूबर। प्रखंड मुख्यालय स्थित कस्तूरबा गांधी बालिका आवासीय विद्यालय म' डायरिया केँ प्रकोप सँ चारि दर्जन सँ बेसी छात्रा बीमार छथि। छात्रा सभ क' पीएचसी म' प्राथमिक उपचार करेबाक बाद एसकेएमसीएच म' भर्ती कराओल गेल अछि। छात्रा सभक अलावा दुइ शिक्षिका व एचएम सेहो ऐहिक चपेट म' आइब गेल छथि। हुनको सभक इलाज एसकेएमसीएच म' भ' रहल छैन्ह।
छात्रा सभक बीमार होयबाक खबर भेटते भाजपा जिलाध्यक्ष रामसूरत राय, विधायक प्रतिनिधि रामश्रेष्ठ सहनी, प्रदेश कार्यसमिति सदस्य आदर्श कुमार, भाजपा मंडल अध्यक्ष सुनील कुमार चौधरी आदि विद्यालय पहुंचला। खराब खाद्य सामग्री आर छात्रा सभक शयन केर व्यवस्था देखि सब दंग रही गेला। सभ पीएचसी पहुँच बीमार छात्रा सभ सँ भेंट मुलाक़ात कएलन्हि। भाजपा जिलाध्यक्ष रामसूरत राय ऐहिक सुचना डीएम क' दैत जांच करेबाक मांग कएलन्हि।
डीएम केर निर्देश पर वरीय उप समाहर्ता नूर अहमद शिवली विद्यालय पहुंच जांच केलन्हि। ओता सँ बासी जिलेबी, हरैद, मर्चाय, रिफाइन, सरसों तेल, आटा, चाउर, चापाकल केर पैन सभक नमूना संग्रह करि सीलबंद कएलन्हि।
शिक्षिका बबिता कुमारी वरीय उप समाहर्ता क' बतौलनि कि दुइ शिक्षिका प्रियंका कुमारी, प्रीतम कुमारी, प्रभारी वीणा कुमारी के अलावा सीमा, किरण, कंचन, अनिता, निशा, रूपम, गुड़िया, कृष्णा, बबिता आदि छात्रा सभ डायरिया सँ बीमार छथि। वरीय उप समाहर्ता कहला कि खाद्य पदार्थ क' जांच लेल भेजल गेल अछि, जकर रिपोर्ट जिलाधिकारी क' कार्रवाई करबाक लेल सौपल जायत।
कस्तूरबा गांधी आवासीय विद्यालय केर छात्रा सभ क' वासी भोजन परोसल जायत छैन्ह। जांच केर दौरान उपस्थित छात्रा सभ ऐहिक खुलासा केलीह। विधायक प्रतिनिधि रामश्रेष्ठ सहनी केर मौजूदगी म' कायल गेल जांच म' एक प्लेट म' बासी जिलेबी, बासी तरकारी खुवेबाक मामला सेहो सामना आयल। भाजपा मंडल अध्यक्ष सुनील कुमार सहित आन लोग सभ कहला कि विद्यालय म' ऐना बेर - बेर होयत अछि जाहि पर कुनु कार्रवाई नै कायल जायत अछि। ओतहि, मेनू केँ हिसाब सँ छात्रा सभ क' भोजन नै देबाक बात सेहो सामना आयल।

एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।