मधुबनी। 04 अक्टूबर। बाबूबरही प्रखंड क्षेत्र केर अछिञ्जल एवं नारी उदगम संस्था केर संयुक्त तत्वावधान म' 8 सँ 10 अक्टूबर धरी राजनगर प्रखंड क्षेत्रक भटसिमर गाम म' लोक अभिव्यंजन कार्यक्रम प्रस्तुत कायल जायत। जाहि मेँ मिथिलांचल सँ विलुप्त भ' रहल विविध पारंपरिक, सांस्कृतिक, लोक गायन, लोक कला, लोकोत्सव, लोक गाथा आदि कला गुंजत। एहि बातक जानकारी दैत संस्था केँ संयोजक क्रमश: यदुबीर यादव व डा. भारती मेहता देलन्हि। भटसीमर अवस्थित नीलमणि सांस्कृतिक परिषद केर मुक्ताकाश म' प्रत्येक दिन साँझक 3 बजे सँ भोर 6 बजे धरी कार्यक्रम केर आयोजन होयत।
प्रथम दिन 8 अक्टूबर क' सनचौकी वादन सँ आह्वान गीत पश्चात मैथिली लोक गीत, कारुख महराय गायन, महेशवाणी व नचारी गायन, डाक बचन, जट जटिन नृत्य, मैथिली समकालिन लोकगीत, मैथिली नाटक गोरख धंधा प्रस्तुत कायल जायत। 9 अक्टूबर क' नटूआ नाच, सलहेस, विद्यापति गीत, परम्परा ओढ़नी गायन, भाउ भगैत, पमरिया गायन, मैथिली लोक संगीत, नाटक महाबली, लोक नाटक दिनाभद्री केर प्रदर्शन होयत। कार्यक्रम केँ अंतिम दिन रसनचौकी, अल्लाह गायन, कबीरा गायन, लोक नृत्य, झिझिया, बिहुला गायन, डाक वचन गायन, नाटक अंधेर नगरी, समदाउन गायन आर नाटक कर्णकारक प्रस्तुत कायल जायत।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।