विद्यार्थी सभक लेल खुशखबरी, फ्री म' भेटत बिहार बोर्ड परीक्षा केँ मॉडल पेपर

पटना। 20 अक्टूबर। बिहार विद्यालय परीक्षा समिति वर्ष 2017 म' मैट्रिक व इंटर केँ परीक्षा देबै बला 35 लाख छात्र सभ क' फ्री म' मॉडल पेपर उपलब्ध कराओत। बिहार बोर्ड केर वेबसाइट पर मॉडल पेपर उपलब्ध होयत जाहि केँ डाउनलोड कायल जे सकैत अछि।

हर विषय म' 200 से 300 ऑब्जेक्टिव सवाल होयत। हर विषय के चारि गोट सेट होयत। लघु उत्तरीय आर दीर्घ उत्तरीय सवाल सेहो होयत। बोर्ड केँ कोशिश अछि कि उत्तर सेहो उपलब्ध कराओल जाय। पिछला बरख तक छात्र सभ क' मॉडल पेपर बाजार सँ कीना परैत छलन्हि। जाहिक लेल मोट रकम अदा करे परैत रहैन्ह।

बिहार विद्यालय परीक्षा समिति केँ अध्यक्ष आनंद किशोर के मुताबिक मॉडल पेपर क' डाउनलोड करि अगर कुनु प्रकाशक बाजार म' बेचता तेँ हुनका ऊपर फर्जीवाड़ा केर मुकदमा दर्ज कराओल जायत। बोर्ड द्वारा उठाओल गेल एहि डेग सँ गरीब आर मेधावी छात्र सभ क' बहुत लाभ भेटतैन्ह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ