जिलाधिकारी केँ विरोध म' स्थानिय सोशल मीडिया ग्रुप एडमिन केर बैसार

मधेपुरा। 20 अक्टूबर। व्हाट्सएप आर फेसबुक ग्रुप म' जिला प्रशासन क' अनिवार्य रुपे जोड़ब संबंधीत डीएम केँ आदेशक पुरजोर विरोध भ' रहल अछि।  सोशल मीडिया पर सेहो लोग अप्पन विरोध जता रहल छैथ।

बुधवार दिन जयपालपट्टी म' सोशल मीडिया के ग्रुप एडमिन सभ एक बैसार करि सही निर्णय क' असंवैधानिक बतेलनि। बैसार म' उपस्थित लोग सभ जिलाधिकारी द्वारा जारी पत्र केँ आलोचना करैत कहलनि कि जिलाधिकारी द्वारा जारी पत्र लोगक निजात केर उल्लंघन अछि।

बैसार म' उपस्थित संदीप सांडिल्य कहला कि आइटी एक्ट म' एहि तरहक कउनु प्रावधान नै अछि कि सोशल मीडिया ग्रुप म' जबरन प्रशासन क' जोड़ना जाय। आभाष आनंद कहला कि ई आदेश सरासर गलत अछि।

कोना हम अप्पन पारिवारिक या आन ग्रुप म' जिला प्रशासन क' जोड़ी जता व्यक्तिगत व पारिवारिक बात होयत अछि। छात्र नेता हर्षव‌र्द्धन सिंह राठौर कहला कि देश म' एहेन आदेश पहिल बेर देल गेल अछि।

ओतहि छात्र नेता राहुल कुमार यादव सेहो एहि तरहक  इस आदेश क' असंवैधानिक बतबैत अविलंब एहि क' निरस्त करबाक गप कहलनि।  बैसार म' ज्योतिष मंडल, संदीप कुमार गुड्डू, रंधीर राज, रजनीश सिंह अमित कुमार सिंह, दीपक यादव, रूपा कुमारी, रेणु कुमारी, निकिता राज, जागृति प्रिया, अलिसा सिंह, अंशु कुमारी, तान्या गुप्ता, सबा फातिका आदि उपस्थित छलाह।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने