बेनीपट्टी : चारिम साहित्यिक संगोष्ठी काव्य बैसार सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल

मधुबनी। 05 अक्टूबर। बेनीपट्टी प्रखंड क्षेत्रक दुर्गौली गांव स्थित दूर्गा मंदिर परिसरमे साहित्यिक संगोष्ठी काव्य बैसारक चारिम बैसार सोमवार दिन सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल।

साहित्य अकादमी पुरस्कार सऽ सम्मानित मैथिलीक सिद्धहस्त कवि उदय चन्द्र झा विनोदक अध्यक्षतामे आयोजित एहि कार्यक्रममे उपस्थित कवि लोकनि एक सऽ बढ़ि कऽ एक साहित्यिक प्रस्तुति दऽ उपस्थित श्रोता समूहके मंत्रमुग्ध करबामे सफल रहलाह।  अपन अध्यक्षीय भाषणमे श्री विनोद कहलनि जे सुदूर ग्रामीण परिवेशमे एहि तरहक साहित्यिक आयोजन सऽ मैथिली साहित्यके पुनर्जीवित होमएमे बल भेटत।  संगहि नवतूरके  सेहो साहित्यक प्रति लगाव बढ़त।

जे मैथिली साहित्यक लेल कोनो संजीवनी सऽ कम नै अछि।  ओ कार्यक्रममे अपन अमरजीवी रचना "परिचय" आओर "बूढ़ा"क पाठ कऽ जन-जनके विह्वल कऽ देने छलाह. कार्यक्रममे "मनतोरिया" शीर्षकक कविता प्रस्तुत कऽ कवियित्री डॉ. रानी झा जतए एक दिस नारी केर वर्तमान स्थितिक सटीक चित्रण करएमे सफल रहलि तऽ ओतहि कवि दिलीप कुमार झा "नवकी" शीर्षकक कविता केर माध्यमे नारीक महत्ता पर प्रकाश दएमे पूर्ण सफल रहलाह।

युवा कवि प्रजापति ठाकुरक स्वरचित संस्कृत श्लोक वाचन सऽ प्रारंभ भेल एहि बैसारमे हास्य कवि अर्जून कविराज अपन हास्य कविताक प्रस्तुति दऽ उपस्थित लोकके लोट-पोट करैत रहलाह तऽ ओतहि कवि प्रीतम कुमार निषादक रचना आमजनके मनन करबा पर बाध्य कएने छल. एहि सऽ पृथक विशिष्ट गजलकार आनन्द मोहन झा अपन रचनाक माध्यम सऽ पड़ोसी राष्ट्र पाकिस्तानके चेतौनी दऽ लोकमे देशप्रेम जागृत करबाक सफल प्रयास कएने छलाह।

एहि कार्यक्रमक संयोजक ओ मैथिलीक युवा कवि मैथिल प्रशांत नारी आओर देशक वर्तमान स्थिति पर चिंता करैत गजल प्रस्तुत कएलनि तऽ ओतहि अक्षय आनन्द सन्नी बाल कविता प्रस्तुत कऽ उपस्थित नेना भूटकामे मैथिली प्रेम जगएबाक यत्न कएने छलाह. एकर अतिरिक्त दयाशंकर मिथिलांचली, सुुभाष सिनेही आओर वशिष्ट झा समय सान्दर्भिक रचनाक प्रस्तुति दऽ दर्शकके थपड़ी बजाबए पर मजबूर कएने छलाह।

एहि सऽ पूर्व आगत कवि लोकनिके दूर्गा पूजा समिति के अध्यक्ष गुलाब मिश्रा, महासचिव रामसागर यादव, ग्रामीण कालीकान्त झा, अरूण मिश्रा, रामेश्वर मिश्रा, रमाकांत झा आदिके द्वारा पाग पहिरा  सम्मानित कएल गेल छल. मंच संचालन चर्चित साहित्यकार अजीत आजाद कएने छलाह तऽ धन्यवाद ज्ञापन अरूण मिश्रा द्वारा कएल गेल छल। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने