जम्मू कश्मीर म' पुलिस चौकी पर आतंकी हमला, एक जवान शहीद

श्रीनगर। 08 अक्टूबर। कश्मीर केँ शोपियां जिला म' कैल्ह शुक्रवार राति म' आतंकवादि द्वारा एक पुलिस चौकी क' निशाना बनाओल गेल। आतंकवादि सभ द्वारा कायल गेल फायरिंग म' एक जवान शहीद भ' गेलाह जखनकि एक अन्य जवान समेत सिविलियन घायल भ' गेलाह। एक पुलिस अधिकारी प्राप्त सूचनाक अनुसार आतंकवादि सभ हरपोरा इलाका म' पुलिस केर एक जावान पर फायरिंग शुरू केलन्हि। घटना लगभग 8:30 बजे राति के अछि।

जवान सभ द्वारा जवाबी गोलीबारी सँ हमलावर भागी गेलाह। एहि फायरिंग म' एक कॉन्स्टेबल नजीर अहमद शहीद भ' गेलाह। बहरहाल पुलिस कश्मीर म' कश्मीरी पंडित आर सिख समुदाय केर लोग सभक सुरक्षा बढ़ा देना अछि। एहिठाम सीआरपीएफ केर अतरिक्त टुकड़ि तैनात कायल गेल अछि। बताओल जे रहल अछि कि आतंकि सभ हथियार लुटबाक मकसद सँ पुलिस चौकी पर हमला केलन्हि जे असफल रहल।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने