आय एकटा एहन सच्चाई अन्हा सभक सोझा राखि रहल छी जाहि सँ अंहाक भीतर के बिहार प्रेम हटि जाएत। पछिला 70 साल सँ राज्य ओ केंद्र सरकार कुन कुन तरहक अदृश्य षड्यंत्र मिथिलाक प्रति क् रहल अछि से देखु।
अहि ठाम अदृश्य षड्यंत्र कहबाक तात्पर्य एकटा एहन षड्यंत्र सँ अछि जे षड्यंत्र होइतो षड्यंत्र नै लगैछि आम-जन मानस केँ।
बड़ा चालाकी सँ राज्य सरकार केंद्र आ राज्य सँ भेटल फण्ड के उपयोग मगध के विकास पर खर्च क् रहल अछि जाहि के भान आम मैथिल के नै लागि रहल अछि। बिहार के 38 जिलाक् हिसाब सँ जे फण्ड भेटैछि ओहि मे मिथिला संग कोना क्षेत्रीय उपेक्षा आ धोखा भ रहल अछि ताहि सँ अन्हा सभ के आई अवगत करा रहल छी -
राज्य सरकार के समग्र जिला सँ जे राजस्व भेटैछि ओहि मे मिथिला मगध सँ काफी आगा अछि। स्टाम्प शुल्क ओ निबंधन शुल्क सँ जे राजस्व बिहार सरकार के भेटैछि ओहि मे मिथिला मगध सँ बेसी पाई बिहार सरकार के दैछि।
2014-15 के सर्बे के अनुसार , स्टाम्प ओ निबंधन शुल्क सँ कुल प्राप्त राजस्व 1423 करोड़ रुपया अछि जाहि मे सँ मिथिला सँ - 755.5 करोड़ आ मगध सँ 667.5 करोड़ के राजस्व कर बिहार सरकार के भेटल अछि।
मिथिला सब दिन सँ बिहार सरकार के मगध सँ बेसी राजस्व कर दैत रहल अछि, धैरि बिहार सरकार मिथिला सँग सब दिन धोखा केलक, मिथिलाक उपेक्षा हर क्षेत्र मे केलक। कृषि, स्वास्थ्य, शिक्षा, सड़क सब मे सँ मिथिलाक हिस्सा काटि, मगध के दैत रहल अछि।
1. सड़क निर्माण - सब सँ पहिले बात करैछि सड़क निर्माण के। किएक त इ एकटा एहन मुद्दा अछि जाहि के नाम पर बिहार सरकार पछिला एक दशक मे जनता सँ खूब वाह-वाही लुटलक अछि।
ओना तेँ हर वर्ष मिथिला सँग छल आ धोखा भेल अछि मुदा उदाहरण हेतु वर्ष 2014 मे बिहार मे भेल सड़क निर्माण केर आंकड़ा अन्हा सभ सँग साझा क्S रहल छी -
वर्ष 2014 मे संपूर्ण बिहार मे 4321 किलोमीटर NH, 4390 किलोमीटर SH ओ 10128 किलोमीटर मुख्य जिला पथ केर निर्माण भेल। जाहि के जिलावार अनुपात 114 किलोमीटर, 116 किलोमीटर ओ 267 किलोमीटर लगभग होयबाक चाहि। मुदा बिहार सरकार के चालाकी ओ छल देखु - मगध केर (14) जिला मे जिलावार अनुपात सँ बेसी के सड़क निर्माण काएल गेल । 114 के जगह लगभग 133 किलोमीटर NH, 116 के जगह लगभग 147 किलोमीटर SH आ 267 के जगह लगभग 305 किलोमीटर मुख्य जिला पथ प्रति जिलाक हिसाब सँ कुल 1850 किलोमीटर NH, 2061.5 किलोमीटर SH आ 4271.6 किलोमीटर मुख्य जिला पथ के निर्माण भेल।
जखन मिथिलाक बारी आएल, राज्य सरकार अप्पण मुठ्ठी टाइट क्S लेलक। जाहिठाम 114 किलोमीटर NH भेटबाक चाहि मिथिला (24 जिला) के मात्र 102 किलोमीटर भेटल, 116 किलोमीटर SH के बदला मात्र 97 किलोमीटर आ 267 किलोमीटर के जगह 244 किलोमीटर मुख्य जिला पथ प्रति जिला भेटल। मिथिला के 2471KM NH, 2328KM SH आ 5856KM जिला मुख्य पथ भेटल। जे की वास्तविक हिस्सा सँ बहुत कम ऐछि।
2.शिक्षण संस्थान - बिहार के 38 जिला मे कुल मिला क्s 68705 प्राथमिक ओ मध्य विद्यालय अछि। अगर
जिलावार अनुपात देखल जाए त एक जिला मे 1808 प्राथमिक ओ मध्य होयबाक चाहि। राज्य सरकार जिलावार अनुपात मे 1808 विद्यालय के चर्चा सेहो केने अछि। मुदा अन्हा सभ के जानि क्s आश्चर्य होयत जे अहि 68705 मे सँ मगध के 14 जिलाक लेल 28419 विद्यालय अछि, जाहि के जिलावार अनुपात 2030 विद्यालय प्रति जिला अछि जखन की , मिथिलाक 24 जिला मे मात्र 40286 विद्यालय अछि। जाहि के जिलावार अनुपात 1679 विद्यालय प्रति जिला अछि जे कि राज्य के कुल जिलावार अनुपात सँ 129 विद्यालय प्रति जिला कम अछि। (2011-12 सर्वे रिपोर्ट)
तहिना बिहार के 38 जिला मे कुल 665 टा कालेज अछि जाहि के जिलावार अनुपात 18 कालेज प्रति जिला होयत अछि। राज्य सरकार के चालाकी ओ छल देखु, मगध के 14 जिला मे 325 कॉलेज जाहि के जिलावार अनुपात 23 कॉलेज प्रति जिला अछि, जे की राज्य जिलावार अनुपात सँ 5 कालेज प्रति जिला बेसी अछि। मुदा जखन मिथिलाक् बेर आएल, एकबेर फेर सँ मिथिलाक् सँग धोखा भेल। मिथिलाक 24 जिला मे मात्र 340 कॉलेज जाहि के जिलावार अनुपात 14 कॉलेज प्रति जिला अछि जे की राज्य के जिलावार अनुपात सँ 4 कॉलेज प्रति जिला कम अछि। इ सबटा षड्यंत्र बड़ा सोचि समझि आ चालाकि सँ काएल गेल अछि।।
3. स्वाथ्य संस्थान - बिहार के 38 जिला मे जिला अस्पताल, प्राथमिक उपचार केंद्र आ विभिन्न स्वाथ्य संस्थान मिला क् कुल छोट पैघ 11773 संस्थान अछि जाहि के जिलावार अनुपात 310 स्वाथ्य संस्थान प्रति जिला होयत अछि। जाहि मे सँ मगध के 14 जिला मे 4565 स्वाथ्य संस्थान अछि जेकर जिलावार अनुपात 326 स्वाथ्य केंद्र प्रति जिला अछि जे की राज्य जिलावार अनुपात सँ 16 स्वाथ्य संस्थान प्रति जिला बेसी अछि।
मुदा जखन मिथिलाक आंकड़ा केर बात करि त मिथिलाक 24 जिला मे मात्र 7208 स्वाथ्य संस्थान अछि जाहि के जिलावार अनुपात (300/जिला) राज्य केर जिलावार अनुपात (310/जिला) सँ 10 कम अछि।
तहिना, राज्य भैरि के कुल 38 जिला मे 3884 डॉक्टर अछि। कुल डॉक्टर के राज्य जिलावार अनुपात 102 डॉक्टर प्रति होइछि। 3884 डॉक्टर मे सँ मगध केर 14 जिला मे 1636 डॉक्टर अछि जाहि के जिलावार अनुपात (117 डॉक्टर/जिला) राज्य जिलावार अनुपात (102 डॉक्टर/जिला) सँ 15 बेसी अछि।
मुदा मिथिलाक 24 जिला मे मात्र 2248 डॉक्टर अछि जाहि के जिलावार अनुपात (94 डॉक्टर/जिला) राज्य जिलावार अनुपात (102 डॉक्टर/जिला) सँ 8 डॉक्टर प्रति जिला कम अछि।
इ सबटा अदृश्य षड्यंत्र अछि मिथिलाक प्रति जे समुच्चा मिथिला के शनैः शनैः हर क्षेत्र मे लुल्ह नांगर बना रहल अछि।
इ सब षड्यंत्र सत्तारूढ़ बड़ा चालाकि ओ दक्षता सँ क् रहल अछि जे आम जन मानस के देखाई नै द रहल अछि। जँ आबो नै जागब आ अपना मातृभूमि के प्रति सचेष्ट नै होयब तखन मिथलाक आबैय वला भविष्यक भगवान मालिक।
आशा करैछि, इ आंकड़ा बहुतो के आँखि पर बान्हल पट्टी खोइल देत आ लोक केंद्र ओ राज्य सरकार के मिथिलाक प्रति क्षेत्रीय उदासीनता ओ उपेक्षा सँ सँ अवगत हेता।
जय मिथिला। जय जय मिथिला।।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।