पटना। 01 अक्टूबर। दानापुर रेल मंडल के मोकामा आर बाढ़ रेलखंड के पंडारक स्टेशन लग अप रेल लाइन पर ओवरहेड तार टुटला सँ रेल परिचालन बाधित भ' गेल अछि। कैल्ह शुक्रवार रातिक नौ बजे अप रेल लाइन पर तार टुटीके गिरल छल। अप लाइन पर जाय बला सभ ट्रेन मोकामा, बड़हिया, लखीसराय स्टेशन पर रोकल गेल। रातिक दुइ बजे तक अप लाइन पर रेल सेवा बहाल भेल छल।
ओवरहेड तार टुटला सँ हावड़ा पटना जनशताब्दी एक्सप्रेस, हावड़ा दिल्ली तूफ़ान एक्सप्रेस, हावड़ा अमृतसर पंजाब मेल, साहेबगंज दानापुर इंटरसिटी, हावड़ा हरिद्वार उपासना एक्सप्रेस, राजगीर दानापुर पैसेंजर, झाझा पटना पैसेंजर, गुवाहाटी राजेंद्रनगर कैपिटल एक्सप्रेस विभिन्न स्टेशन पर रोकल गेल छल।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।