मिथिला के अभिजीत झा अमेरिकन एकेडमी अवार्ड सँ सम्मानित भेला

पटना। 22 अक्टूबर। एम्स पटना के पूर्व सीनियर रेजीडेंट डॉ अभिजीत कुमार झा विश्व स्तरीय अमेरिकन एकेडमी ऑफ डेमेटोलॉली स्कॉलरशिप अवार्ड सँ सम्मानित भेला। हर बरख एहि अवार्ड केँ लेल देश सँ महज दुइ  चर्म रोग विशेषज्ञ केर नामांकन अछि।

बिहार म' इ अवार्ड आय धरी कुनु भी चर्म रोग विशेषज्ञ क' नै भेटल छल। इ पहिल अवसर अछि जखन बिहार के कुनू चिकित्सक क' इ अवार्ड प्राप्त भेल अछि। एहि सँ दुइ बरख पहिने डॉ अभिजीत क' यूरोपियन एकेडमी ऑफ डर्मेटोलॉजी स्कॉलरशिप अवार्ड सेहो भेटल छल। डॉ अभिजीत एखन पीएमसीएच म' बतौर चर्म रोग विशेषज्ञ तैनात छैथ।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ