नकली डीजल बनबै बला फैक्ट्री केर भंडाफोड़

दरभंगा। 21 अक्टूबर। विशनपुर थाना अंतर्गत उखड़ा गाम म' आय गुरूवार दिन  एएसपी दिलनवाज अहमद केर नेतृत्व म' एक कृतिम (नकली) डीजल बनबै बाला फैक्ट्री केर भंडाफोड़ भेल अछि, जाहिठाम सँ  50 ड्रम से बेसी नकली डीजल बरामद बरामद कायल गेल अछि। छापामारी केँ दौरान नकली डीजल बनबै बला गिरोह के दुइ सदस्य क' सेहो गिरफ्तार कायल गेल अछि।

विशनपुर थाना प्रभारी रूपक कुमार अंबुज कहला कि गिरफ्तार नकली डीजल के धंधेबाज मिट्टी तेल, मोबिल आदि के प्रयोग सँ नकली डीजल केर निर्माण करैत छलाह। पुलिस केँ मानी तेँ धंधेबाज बहुत पहिने सँ एहि  खेल क' अंजाम दैत छलाह। फिलहाल पुलिस पूरा  रैकेट केर पता लगेबा म' जुटल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने