पटना। 22 अक्टूबर। बिहार सरकार कैल्ह शुक्रवार दिन कैबिनेट बैठक म' 9 अहम एजेंडा पर मुहर लगौलनि। जाहि म' सबसे महत्वपूर्ण मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ "लोक संवाद कार्यक्रम" केर शुरुआत अछि। ऐहिक अंतर्गत आगामी दिसम्बर सँ हर सोमवार क' नीतीश जनता सँ जुड़ल 50 समस्या सुनता।
कैबिनेट के फैसलाक बाद आब नीतीश कुमार फेर सँ लोग सभ सँ मिलता आ हुनकर सुझाव सेहो लेता। लोक संवाद कार्यक्रम क' हरियर झंडा भेटलाक बाद आब नीतीश सरकार के नीति, योजना सभक लेल सेहो लोग सँ सुझाव लेल जायत।
कैबिनेट केँ फैसलाक बाद शिक्षक सभक लेल खुशखबरी आयल अछि। गैर सरकारी सहायता प्राप्त प्रारंभिक स्कूल सभक शिक्षक क' बकाया वेतन भेटत। प्रारंभिक विद्यालय सभक शिक्षक एवं शिक्षकेतर कर्मचारि क' वेतनादि के भुगतान लेल वित्तीय वर्ष 2016–17 म' कुल 25 करोड़ राशि केँ स्वीकृति भेटल। ओतहि कैबिनेट केर बैठक म' बिहार चौकीदार संवर्ग नियमावली -2016 क' सेहो स्वीकृति भेटल। आब चौकीदार आर दफादार सभ क' प्रोन्नति भेटत।
बैठक म' कोसी नदी पर निर्माणधीन पुल के पहुंच पथ के लेल 404 करोड़ स्वीकृत कायल गेल। एहि सँ 2 लेनक 13.06 किमी के पुल बनाओल जायत। सिंचाई योजना के निर्माण लेल 20.96 करोड़ टक्का केँ स्वीकृति सेहो भेटल।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।