पटना। 08 सितम्बर। बिहार केँ उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव केर मानना छैन्ह कि प्रदेश के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रधानमंत्री पद के लेल एहि पद पर आसीन नरेंद्र मोदी सँ बेसी सक्षम छैथ। राजद के प्रदेश कार्यालय म' पत्रकार सभ सँ बातचीत करैत तेजस्वी यादव कहला कि प्रधानमंत्री पद के लेल नरेंद्र मोदी सँ बेसी सक्षम नीतीश कुमार छैथ। नीतीश कुमार बिहार केँ चारि बेर मुख्यमंत्री आर केंद्र म' सेहो मंत्री रहलाक संगे संग बिहार विधानमंडल के दुनु सदन के सदस्य छलाह।
आगा तेजस्वी यादव कहला कि नीतीश जी बिहार एहेन पिछड़ल राज्य म' बदलाव आनैत बिहार क' देश भरी म' सकल घरेलू उत्पाद मामला म' शीर्ष पर पहुंचेला आर आब बिहार अपराध केर मामला म' देश भरी म' 22वां स्थान पर अछि।
अपने के बता दी राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद सेहो नीतीश कुमार केर तारीफ करैत हुनका प्रधानमंत्री पद के लायक बतेने छलाह। तेजस्वी यादव राजद के प्रदेश मुख्यालय म' एक कार्यक्रम केँ शुरुआत केलनि जाहिकेँ तहत प्रत्येक बुधवार दिन राजद कोटा के एक मंत्री पार्टी कार्यालय म' उपस्थित भ कार्यकर्ता सहित आन लोग सभ सँ मिल केँ हुनकर समस्या केँ समाधान करथिन।
राजद विधायक आर पार्टी प्रवक्ता मो. नेमतुल्ला के संग मौजूद तेजस्वी यादव कहला कि हुनकर पार्टी गरीब दर्पण नामक एक पत्रिका सेहो जल्दे शुरू करत जाहिमेँ विभिन्न विषय पर राजद के विचार रहत। एहि पत्रिका क' अप्पन पार्टी अध्यक्ष लालू प्रसाद केँ सोच बतबैत कहला कि एहि केँ गाम - गाम भेजल जायत। एहि अवसर पर भाजपा के वरिष्ठ नेता सुशील कुमार मोदी पर प्रहार करैत तेजस्वी यादव कहला कि ओ खबर म' बनल रहबाक लेल प्रदेश केँ महागंठबंधन सरकार पर बेबुनियाद आरोप लगबैत छैथ।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।