लखीसराय : चारि गोट अज्ञात बच्चा केँ शव बरामद भेल, हत्या केँ आसंका जताओल जे रहल अछि

लखीसराय। 08 सितम्बर। लखीसराय जिला के चानन थाना क्षेत्र सँ कैल्ह  पुलिस चारि गोट बच्चा केँ शव बरामद केलनि। पुलिस सूत्र बतौलनि कि  ग्रामीण सभक सूचना केँ आधार पर किउल-बिछवे मार्ग पर जलसरिया बांध लग सँ चारों बच्चा के शव बरामद कायल गेल। मृत बच्चा सभक उम्र 8 से 12 बरख के बीच अछि जिनकर एखन धरी पहचान नै भ' सकल अछि।

बच्चा सभक शक्ल आर कपड़ा सँ बुझायत अछि की चारो एकहि परिवार सँ अछि। एहि शव म' दुइ गोट लड़का आर दुइ गोट लड़की अछि जिनकर पहचान नै भ' पाइब रहल अछि। एहि घटना पर प्रतिक्रिया दैत सूर्यगढ़ा विद्यायक प्रहलाद यादव कहला कि जे भी कियो एहि घटना क' अजांम देलनि मानवता के लेल शर्मनाक अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने