सहरसा। 09 सितंबर। कैल्ह गुरूवार दिन उग्रतारा मंदिर महिषी म' पूजा-अर्चना केँ बाद आयोजित सम्मान समारोह म' केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह कहला कि जखन देश बौद्ध काल के संक्रमण क' झेलैत छल, ओहि समय महिषी केँ पवित्र भूमि पर आदि गुरू शंकराचार्य एवं मीमांसा दर्शन केँ प्रखर विद्वान पंडित मंडन मिश्र सनातन धर्म क' पुनर्जीवित केना छलाह। आय फेर सनातन धर्म संक्रमण काल सँ गुजरी रहल अछि। जाहि केँ उत्थानक लेल फेर सँ महिषी के पवित्र भूमि सँ धर्मजागरण केर शंखनाद कायल जायत।
आगा मंत्री गिरिराज सिंह कहला कि देशक जनसंख्या नियंत्रण केँ वर्तमान कानून व्यवस्था म' समरूपता केर अभाव अछि। एहि म' समरूपता आनबाक जरुरत अछि। हालात एहेन अछि कि आजादी के समय म' पाकिस्तान म' हिन्दु के 22 प्रतिशत जनसंख्या छल जे आब महज एक प्रतिशत पर पहुंच गेल अछि। जखनकि भारत म' दोसर समुदाय केँ आबादी पांच सँ बढ़ी केँ तीस प्रतिशत भ' गेल अछि। गिरिराज सिंह सनातन धर्म आर संस्कार केर रक्षा लेल राजनीति सँ उपर उठी धर्मजागरण म' शामिल होयबाक आह्वान केलन्हि।
पूर्व विधायक किशोर कुमार मुन्ना कहला कि जाहि दिन हुनकर जनसंख्या हमरा सभ सँ बेसी भ' जायत आर ओ हमरा सभ सँ बेसी ताकतवर भ' जेता तहिया पूरा देश म' हर जगह कश्मीर जेहेन समस्या उत्पन्न भ' जायत। पूर्व विधायक संजीव झा कहला कि सीमांचल के किछ जिला म' घुसपैठ के बदौलत जाहि प्रकारे जनसंख्या म' वृद्धि भेल अछि, ओ देशक लेल नीक संकेत नै अछि।
कार्यक्रम म' मुखिया शिवेन्द्र सिंह जीसू, पार्टी नेता शालिग्राम देव, मदन कुमार चौधरी, प्रमुख वैद्यनाथ कुमार विमल, कहरा प्रखंड के पूर्व प्रमुख शंभूनाथ झा, पूर्व जिला परिषद उपाध्यक्ष रितेश रंजन, नवीन पाण्डेय, प्रवीण आनन्द, मंडल अध्यक्ष भगवान झा, उमाशंकर भारती, नीलम कुमार सिंह, पारितोष ठाकुर, मिहिर झा, श्रीकृष्ण झा सहित आन बहुत लोग उपस्थित छलाह।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।