सहरसा। 26 सितंबर। शहर सहित ग्रामीण क्षेत्र सभ म' लगातार भ' रहल बारिश के कारण मत्स्यपालक सभक समक्ष विकट स्थिति उत्पन्न भ' गेल छैन्ह। सभ जगह तालाब म' पैन लबालब भरी गेल छैक। तालाबक पैन आब सड़क क' पार करबाक स्थिति म' अछि। कैको जगह पैन तालाब सँ उपर बहे लागल अछि। बहरहाल तालाब केँ माछ आब भगवान भरोसे अछि। ऐना म' मत्स्यपालक सभक समक्ष भूखमरी केर स्थिति उत्पन्न होयबाक डर समा गेल छैन्ह।
शहर के गांधी पथ केर तालाबक दुइ हिस्सा ओवरफ्लो भ'केँ पैन दोसर दिस बहब शुरू भ' गेल छैक। ऐना म' तालाब केँ माछ कोना बचत इ कहब मुश्किल अछि। न्यू कालोनी के तालाबक स्थिति सेहो लबालब अछि। सड़़क सँ एक फीट निचा तालाब केँ पैन अछि यदि आर बारिश भेल तेँ सड़क पर बहे लागत। शंकर चौक ठाकुरवाड़ी मंदिर स्थित तालाब सेहो भरबाक स्थिति म' अछि। शहर के आन हिस्सा म' सेहो तालाब लबालब भर गेल अछि, जाहि सँ मत्स्यपालक सभक समक्ष विकट स्थिति ठाढ़ भ' गेल छैन्ह।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।