मुजफ्फरपुर : तेज़ बारिश केँ कारण दीवार ढहला सँ तीन लोगक मौत

मुजफ्फरपुर। 26 सितंबर। शहर के ब्रह्मपुरा थाना क्षेत्र म' भोर एक दीवार ढहला सँ तीन लोगक मौत भ' गेलन्हि। जिलाधिकारी धर्मेन्द्र सिंह कहला  कि चांदनी चौक स्थित इदरीश मियां के मोटर वाहन गैरेज म' तीन लोग सुतल छलाह। तखने तेज बारिश के कारण पुरानी दीवार अचानक गिर परल। दुर्घटना म' दुइ मिस्त्री आर एक वाहन बनेबाक लेल आयल युवक केर दबी क' मौत होयबाक खबर अछि।

मृतक म' वैशाली जिला के महुआ थाना क्षेत्रक सुमेरगंज गाम निवासी मो.फिरोज (36), दरभंगा जिला के कुशेश्वर स्थान थाना क्षेत्रक भलुआ गाम निवासी शमशेर आलम (33) आर समस्तीपुर जिला के सिंघिया थाना क्षेत्रक मो.सद्दाम (25) शामिल अछि। जिलाधिकारी सभ मृतक के परिजन क' चारि - चारि लाख टक्का देबाक घोषणा सरकार दिस सँ केलन्हि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने