शहाबुद्दीन केँ जमानत रद्द करबाक लेल सुप्रीम कोर्ट जायत बिहार सरकार

पटना। 14 सितंबर। बाहुबली नेता मो. शहाबुद्दीन केँ जमानतक बाद बिहार म' मचल सियासी उथल-पुथल आर सत्तारूढ़ जेडीयू-आरजेडी महागठबंधन सरकार म' देखार द रहल दरार के बीच अहम खबर अछि कि बिहार सरकार शहाबुद्दीन केँ जमानतक खिलाफ सुप्रीम कोर्ट म' अपील करत।  सूत्र के मुताबिक, जेडीयू एहि मुद्दा पर ढिलाई के मूड म' नै अछि।

सूत्र सभक मानी तेँ बिहार सरकार शहाबुद्दीन के जमानत रद्द करेबाक लेल   सुप्रीम कोर्ट केर दरवाजा खटखटायत। एता धरी कि चंदा बाबू के तीन बेटा के हत्या समेत शहाबुद्दीन के खिलाफ आन बहुतो रास लंबित केस केँ  सुनवाई म' सेहो कुनु ढिलाई नै देल जायत। पत्रकार राजदेव रंजन केँ हत्याक दोषी आर शहाबुद्दीन केर करीबी मो. कैफ सेहो जल्दे गिरफ्तार कायल जायत।

एहि सँ पहिने हत्या के आरोपी केर छवि आरजेडी के पूर्व सांसद मोहम्मद शहाबद्दीन के संग सेहो सामना आयल छल। जखन बाहुबली नेता मो. शहाबुद्धीन 11 साल बाद बेल पर जेल सँ निकलैते  मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर  विवादित बयान देलनि तेँ ओहि दिनक फोटोग्राफ आर वीडियो फुटेज म' हुनका पाछा एक कथित शार्पशूटर मो कैफ क' सेहो देखल गेल। जे छवि मिडिया म' वायरल भ' गेल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ