दरभंगा १४ सितम्बर २०१६:- आकाशवाणी दरभंगा मे आई हिंदी दिवस पर कार्यक्रम अमित कुमार के अध्यक्षता मे सम्पन्न भेल।कार्यक्रम के संबोधित करैत डा.अमरकांत कुमार कहलैन्ह की हिंदी अपन दम पर उठल छल आ अपने दम पर आगु बढ़ी रहल अइछ। श्री डा. कहलैन्ह हिंदी एखन विजय यात्रा पर अइछ। डा.सतीश कुमार सिंह कहलैन्ह की हिंदी के विकास पथ पर चलै मे आकाशवाणी के भूमिका बहुत महत्वपूर्ण अइछ। आकाशवाणी अपन दम पर बिंभिन्न बिद्या के माध्यम स हिंदी के आगु बढेलैन्ह। बक्ता हिंदी के प्रयोग अधिक से अधिक अपन बोलचाल आ अन्य कार्य मे करैक आवश्यकता पर जोर देलैन्ह।
हिंदी दिवस समारोह मे रणधीर कुमार ठाकुर,मणिकांत झा,पुष्पेंद्र सौरभ,मितेश मिश्र,महेंद्र चौधरी,शशिभूषण शशि,हरिश्चंद्र ठाकुर,बिपिन कुमार राय,दीपक कुमार झा सहित आरो बक्ता अपन अपन बिचार ब्यक्त केलैन्ह। कार्यक्रम के संचालन श्याम भास्कर केलैन्ह।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।