मधुबनी : भव्य कलश शोभा यात्रा संग शुरू भेल दस दिवसीय इंन्द्र पूजा

मधुबनी। 14 सितंबर। प्रखंड क्षेत्र केँ विशनपुर बाजार परिसर म' स्थानीय इंन्द्र पूजा समिति केर सौजन्य सँ आयोजित दस दिवसीय इंन्द्र पूजा केँ शुभारंभ कैल्ह मंगल दिन भव्य कलश शोभा यात्रा संग भेल।

एहि अवसर पर गाम सहित आसपास केँ 501 कुवारी  कन्या सभ द्वारा बैंड बाजा केँ संग  इन्द्र देवता केँ जयकारा लगबैत भव्य कलश शोभा यात्रा निकालल गेल। जाहि मेँ सभ वर्ग के पुरुष व महिला सभ बढ़ी - चढ़ी केँ भाग लेलनि। कलश यात्रा पूजा स्थल सँ शुरू होयत आधा दर्जन गाम सँ  गुजरैत त्रिमुहान गाम स्थित धौस नदी सँ पवित्र जल कलश म' भरी पुन: पूजा स्थल पर पहुंच स्थापित कायल गेल। जाहिठाम उ[पस्थित आचार्य पंडित सभ द्वारा कलश के विधिवत पूजा-अर्चना करि दस दिवसीय इन्द्र पूजा केँ शुभारंभ कायल गेल।

पूजा समिति केँ अध्यक्ष पंकज कुमार कहला कि एहि दस दिवसीय पूजा के प्रथम दिन भगवान इन्द्र केँ विधिवत पूजा-अर्चना कायल गेल। ई  पूजा आर मेला दस दिन धरी आयोजित होयत। पूजा के अवसर पर पूजा स्थल पर भव्य व आकर्षक मेला के सेहो आयोजन कायल गेल अछि।

पूजा शांति पूर्वक  संपन्न करेबा म' पूजा समिति केँ पंकज कुमार, बबलू कुमार, अवधेश कुमार, सजल कुमार, विजय कुमार, विन्दू कुमार, संगीत कुमार, सुमित कुमार, सुरेश कुमार, सोनू कुमार, अनिल कुमार, विल्टू राम, उदय यादव, राकेश यादव, संजय यादव सहित संपूर्ण ग्रामीण जुटल छैथ। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ