मिथिलाराज्य हल्लाबोल रैली सफल बनेबाक लेल सब लोकनिक कोटि - कोटि धन्यवाद : रोहित यादव

कैल्ह 25 सितम्बर 2016 क श्री बीरबल यादव जी'क नेतृत्व मे आयोजित मिथिलाराज्य हल्लाबोल रैली सफल, शानदार आ जानदार रहल।

मंच केर अध्यक्षता वरिष्ठ मिथिलाराज्य आंदोलनी श्री मनोज झा जी केलैन्ह, मंच संचालन केर भार हमरा भेटल छल। मंच सँ उपस्थित मैथिल के श्री अनिल अजनबी, श्री रामसेवक मुखिया, श्री दुनिलाल यादव (सहरसा), श्री भगवत यादव, श्री कमलेश मिश्र, श्री आनंद झा, श्री शरत झा , श्री रंजीत लाल दास, श्री संतोष झा जी, श्री बीरबल यादव जी आ श्री मनोज झा जी संबोधित केलैन्ह। आयोजन् के अंत में श्री रामबाबू सिंह जी अपना स्वरचित मैथिलि कविताक गायन के सँग उपस्थित समस्त मैथिल के धन्यवाद दैत धन्यवाद ज्ञापण सँ रैलिक समापन केलैन्ह।

कार्यक्रम के शुरुवात, मंगोलपुरी मे भेल एकटा मैथिल के दुर्घटना मे भेल मृत्यु (जे की रैली स्थल पर एबाक लेल आश्वस्त केने छलाह) पर शौक व्यक्त करैत दू मिनट के मौन धारण सँ भेल।

ताहि के बाद मिथिलाराज्य सँ जुड़ल मुद्दा पर बहुतो उपरोक्त व्यक्ति सभ चर्चा केलैन्ह। मिथिलाक सांस्कृतिक धरोहर, ऐतिहासिक धरोहर, आर्थिक ओ शैक्षिक विपन्नता क् सँग सँग आन्दोलनि मे सर्वजातीय ओ सर्व वर्गीय भागीदारी पर विस्तार पूर्वक वक्ता सभ चर्चा केलैन्ह। बीच मे पुणः एकबेर बेनीपट्टी मे भेल बस दुर्घटना मे मृत व्यक्ति सभ लेल दू मिनट के मौन धारण ओ शोक प्रगट काएल गेल।

कैल्ह के रैली मे लगभग 60 सँ बेसी प्रतिशत युवाक भागीदारी, 70 सँ बेसी प्रतिशत नव लोक के भागीदारी आ ओहू सँ महत्वपूर्ण जे 50 प्रतिशत सँ बेसी लोक सहरसा, सीतामढ़ी, मधेपुरा, खगड़िया ओ सुपौल के छलाह जे आइतक के हमरा पछिला चारि बरखक अनुभव मे पहिल बेर देखल। रैली मे पहिल बेर ओहि वर्गक भागीदारी बढ़ि चढ़ि के देख मन हर्षित भेल जे वर्ग आई तक आंदोलन सँ दूर रहला। मुल्लाह (मुखिया), पासवान, खतबे, यादव,मंडल, शर्माक सँग सँग किछु मैथिल मुसलामनक भागीदारी हमरा सब सँ बेसी आकर्षित केलक।

इ सफल रैली मुख्य रूप सँ पछिला 3-4 महिनाक मेहनत के देन छी। दिल्लीक बहुत रास जगह पर मैथिल के घरे घर जाकS #मिथिलाराज्य क् मुद्दा सँ अवगत करेनाए अहि रैलिक सफलताक कुञ्जी थिक। तीन सँ चारि हजार लोक तक मुद्दा के पहुचेनाइ आ ताहि में दस सँ पंद्रह प्रतिशत लोकक् उपस्थिति हमरा सभ के लेल एकटा सिख आ नव अनुभव रहल जे कतेक लोकक भीर जुटानी लेल कतेक लोक तक मुद्दा पहुचेनाइ जरुरी अछि।

अहि सफल आयोजन के लेल नेतृत्व कर्ता श्री बीरबल यादव जी क् सँग सँग श्री रंजीत लाल दास, श्री मनोज झा जी, निगम पार्षद कल्पना झा जी, भगवत भैया, राम सेवक मुखिया जी, राजेश मुखिया जी, दुनिलाल यादव जी, अमलेश मंडल जी, अरुण शर्मा जी, लाल बाबु यादव जी, शरत भैया, कमलेश भैया, आनंद भाई, सुरेंद्र जी, मुकेश जी, राम बाबु जी, हेमन्त जी, विजय यादव जी क् सँग सँग हम्मर समस्त युवा साथी मनीष मिश्र, बैजू बावरा, मोहन राज झा, सुनील आर्य, मुकेश मिश्र, संजय मेहता, शत्रुघ्न यादव, रामु मंडल, चंदर यादव, मो. शफीक, राम विलास यादव, अमर यादव ओ अन्य समस्त साथी गण के ह्रदय सँ आभार, धन्यवाद। सब सँ बेसी धन्यवाद ओहि समस्त समान्नित मैथिलगण के जे शुरू सँ लकय अंत धैरि रैली मे डँटल रहला आ अपना भागीदारी ओ उपस्थिति सँ आन्दोलनक बढैत मजगुति दिस इशारा देलाह। हमरा सभक हौसला बढ़ेला। ओहि समस्त मैथिलगण के ह्रदय सँ नमन, आभार।

जय मिथिला। जय् जय् मिथिला।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने