बस हादसा के शीकार मृतक सभ क' कैंडल मार्च द्वारा श्रधांजलि देलनि मिथिला स्टूडेंट यूनियन केँ सदस्य

मधुवनी। 23 सितंबर। बेनीपट्टी सुंदरपुर टोला म' सोमवार दिन भेल हृदय विदारक बस हादसा के शीकार मृतक सभक आत्मा क' शांति भेटबाक लेल  कैल्ह मिथिला स्टूडेंट यूनियन बेनीपट्टी लोहिया चौक पर यूनियन केँ कोषाध्यक्ष विनीत कुमार केर नेतृत्व म' कैंडल मार्च निकाललनी। संगहि दुइ मिनट केँ मोन धारण करि मृत आत्मा केर शांति लेल प्राथना केलन्हि।

मौक़ा पर उपस्थित यूनियन केँ कार्यकर्ता आर स्थानीय लोग सभ क'  संबोधित करैत प्रखंड अध्यक्ष आशीष झा चुन्नू कहला कि बस  ड्राईवर केर  गलतीक कारण सँ गाड़ी म' ओवेर्लोडिंग केर चलते इ दुर्घटना भेल ई।  प्रसाशन क' चाही की एहि  विषय पर गंभीरता सँ विचार करैत ओवरलोडिंग क' रोकबाक लेल सख्त सँ सख्त डेग उठाओल जाय। ताकि निकट भविष्य म' एहितरहक दुर्घटना सँ बचल जायI मौका पर यूनियन केँ उपाध्यक्ष अब्दुल ओवल हाश्मी, नितीश कश्यप, चंद्रशेखर झा, अलोक पासवान, अनुज कुमार, गजेन्द्र कुमार, कृष्ण कुमार, शिवम कुमार, पल्लव मिश्र, रोहित, लल्लन साह आर अमित कुमार सहित बहुतो रास  कार्यकर्त्ता मौजूद छलाह। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने