पत्रकार राजदेव केँ पत्नी आशा रंजन सीबीआई सँ कहली कि हुनकर पतिक हत्या शहाबुद्दीन केर कहला पर भेल

सीवान। 23 सितंबर। कैल्ह गुरूवार दिन देर सांझ सीवान म' सीबीआई केँ टीम सीवान के दिवंगत पत्रकार राजदेव रंजन केर हत्याकांडक संबंध म' हुनका निवास स्थान शहर के मिशन कंपाउंड पहुँच पूछताछ केलनि। सीबीआई टीम केँ नेतृत्व दिल्ली सँ आयल आईपीएस अधिकारी राजीव कपूर करैत छलाह।

सभ सँ पूछताछ करबाक बाद जखन सीबीआई टीम वापस चल गेल तखन   मीडिया सँ बात करैत स्वर्गीय राजदेव रंजन केर पत्नी आशा रंजन कहली  कि ओ सीबीआई केँ अधिकारि सभ क' स्पष्ट रूप सँ कहली कि हुनकर पति केर हत्या राजद के बाहुबली नेता व सीवान के पूर्व सांसद मोहम्मद शहाबुद्दीन केँ कहला पर भेलनि।

आगा ओ कहली कि शहाबुद्दीन पहिनो हमर पति क' धमकाबैत छलाह।  राज्य के सरकार व पुलिस पर हमरा भरोसा नै अछि, एहि लेल शूरू सँ हम एहि हत्या कांड केँ जांच सीबीआई सँ करेबाक मांग करैत छलहुँ।

अपने क' बता दी कैल्ह सीबीआई टीम सीवान स्थित मोहम्मद कैफ व जावेद के घर पहुँच पुछताछ केलनि। गौरतलब अछि कि पत्रकार राजदेव रंजन के हत्या म' मोहम्मद कैफ उर्फ बंटी आर जावेद केर नाम संदिग्धक रूप म' सामना आयल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ