मानवता भेल सर्मसार, रांची के अस्पताल म' मरीज़ क' जमीन पर परोसल गेल भोजन

रांची। 26 सितंबर। झारखंड के सभ सँ पैघ सरकारी हॉस्पिटल रांची इंस्टीटयूट ऑफ मेडिकल साइंसेज (रिम्स) म' एक शर्मनाक मामला सामना आयल अछि, रिम्स के ऑर्थोपेडिक विभाग म' भरती एक महिला मरीज क' जमीन पर भोजन देल गेलन्हि। थाली नै होयबाक कारण सँ भोजन परसै बला रिम्स के कर्मचारी महिला क' कॉरिडोर के जमीने पर भात, दाइल आर तरकारी परैस देलन्हि। मीडिया सूत्र के मुताबिक मरीज़ पालमती देवी के हाथ पर पट्टी बान्हल छलैन, आर ओ परसल गेल भोजन खायत छली।

अस्पताल के ऑर्थोपेडिक वॉर्ड म' दाखिल पालमती देवी के पास अप्पन थाली नै छल, एहिलेल ओ थाली मांगलखिन, मुदा अस्पताल के रसोईकर्मिय हुनका उल्टा - सीधा कही कहलनि की थाली नै छै। मीडिया सूत्र के मुताबिक एहि अस्पताल केँ सालाना बजट 300 करोड़ टक्का अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने