शहाबुद्दीन जेता जेल या बरकरार रहत बेल, आय होय बला सुनवाई 28 सितंबर लेल टरल

पटना। 26 सितंबर। राजद नेता आर पूर्व सासंद मोहम्मद शहाबुद्दीन केर जमानत रद्द करबाक लेल आय सोमवार क' सुप्रीम कोर्ट म' सुनवाई टरि गेल अछि।

चंदा बाबू केर पत्नी कलावती देवी सेहो सुप्रीम कोर्ट म' मोहम्मद शहाबुद्दीन केर जमानत क' चुनौती देना छलीह। लिहाजा आय सोमवार दिन सुप्रीम कोर्ट म' चंदा बाबू आर बिहार सरकार के संगहि कलावती देवी केर याचिका पर सुनवाई होबाक छल।  जानकारी के मुताबिक शहाबुद्दीन के वकील कोर्ट सँ पर्याप्त समय केर मांग केलन्हि जाहि के बाद कोर्ट 28 सितंबर क' अगला तारीख तय केलन्हि।

आय शहाबुद्दीन क' सुप्रीम कोर्ट म' अप्पन जबाब दाखिल करबाक छलैन।  शहाबुद्दीन पर चंदा बाबू के तीन बेटाक हत्या करबाक आरोप अछि। सुप्रीम कोर्ट पिछली सुनवाई म' शहाबुद्दीन क' नोटिस जारी करि पूछना छल कि किएक नै हुनकर जमानत रद्द कायल जाए ?

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ