खगड़िया : जिप सदस्य सभक तीन दिवसीय प्रशिक्षण शिविर संपन्न भेल

खगड़िया। 24 सितंबर। जिला परिषद कार्यालय म' आयोजित जिप सदस्य सभक तीन दिवसीय प्रशिक्षण शिविर कैल्ह शुक्रवार दिन भेल। तीन दिवसीय प्रशिक्षण शिविर म' जिप सदस्य सभ क' कृषि, शिक्षा समेत आन विभाग सभक योजनाक जानकारी देल गेलन्हि।

डीआरडीए के कार्यपालक अभियंता ई. अजहर परवेज मनरेगा कार्यक्रम पर प्रकाश देलन्हि। कहलनि कि मनरेगा कार्यक्रम म' बेसी सँ बेसी काज होय। मौक़ा पर कृषि समन्वयक निरंजन हजारी कृषि विभाग केर  विभिन्न योजना पर चर्चा करैत हरा चादर योजना,  श्रीविधि सँ गेहूं आर  धानक खेती आदि के बारे म' जानकारी देलन्हि। संगहि जैविक खेती पर सेहो प्रकाश देलान्हि।

ओतहि शिक्षा विभाग केँ अधिकारि सभ  सर्व शिक्षा, एमडीएम संचालन आदि के जानकारी देलन्हि।

एहि अवसर पर जिप उपाध्यक्ष मिथिलेश कुमार यादव, जिप सदस्य क्रमश: प्रियदर्शना सिंह, पिन्टू कुमार, अबिदा बेगम, गिरीश कुमार, महुआ सिंह आदि मौजूद छलाह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ