मुजफ्फरपुर। 24 सितंबर। ज्ञात हो जे मिथिलाक मुजफ्फरपुर जिला केर काँटी विधानसभा अंतर्गत बंगरी गामक उपेंद्र साहू के परिवार पछिला पन्द्रह दिन सँ भुखमरी के चपेट मे अछि। साहू के परिवार, रोटी आ केरा के सन्ना खा कs गुजर करै पर मजबूर अछि आ बिहार सरकार अपना खाद्य सुरक्षा योजना केर ढोल पिट रहल अछि।
अन्हा के बता दी जे अहि भुखमरी सँ परिवार केर एक गोट सदस्य के मृत्यु भ चुकल अछि। साहू के बेटी सोना कुमारी अहि दुनिया मे नै रहली। एतेक किछु भेलाक बादो स्थानीय प्रशासन आ विभाग चुप अछि। मड़बन ब्लॉक केँ बीडीओ तक इ जानकारी अखन तक कोना नै पहुचल ताहि बातक ताज्जुब भ रहल अछि।
ओना त बिहार सरकार भुखमरी, गरीबी आ अशिक्षा सँ लड़बाक लेल बड़का बड़का योजना बनबै अछि आ अपना योजनाक ढोल पीटै अछि मुदा मिथिलाक अहि परिवार लेल कुनो योजना नै अछि? उक्त बात अखिल भारतीय मिथिला पार्टी'क युवा नेता रोहित यादव कहलैन्ह।
यादव कहलैन्ह जे अहि मुद्दा पर हम सभ माननीय मुख्यमंत्री सहित विभाग सँ जुड़ल मंत्री आ स्थानीय विभागीय पदाधिकारी के ईमेल पठा कs अहि बातक जवाब सेहो मांगब। पीड़ित परिवारक प्रति अप्पण संवेदना व्यक्त करैत परिवार के संगठन दिस सँ हर सम्भव मदैत के बात सेहो कहला।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।