शहाबुद्दीन केँ जमानत रद्द करेबाक दुइ याचिका पर आय सुप्रीम कोर्ट म' होयत सुनवाई

पटना। 19 सितंबर। पूर्व राजद सांसद मोहम्मद शहाबुद्दीन के जमानत रद्द करेबाक दुइ याचिका पर आय सोमवार दिन सुप्रीम कोर्ट म' सुनवाई होयत। शहाबुद्दीन के जमानत रद्द करबाक लेल बिहार सरकार आर प्रशांत भूषण याचिका दायर केना छैथ। शहाबुद्दीन एहि याचिका पर कहला कि अगर सुप्रीम कोर्ट हुनकर जमानत रद्द केलनि तेँ ओ जेल जाने जेबाक लेल तैयार छैथ।

एक निजी न्यूज चैनल सँ कायल बातचीत म' शहाबुद्दीन खुद क' कानून आर न्यायपालिका केर सम्मान करै बला इंसान बतौलनि।

चंद्रकेश्वर प्रसाद के तीन बेटाक हत्या के पाछा कथित तौर पर शहाबुद्दीन केर हाथ बताओल जायत अछि। ओम्हर, सीवान प्रशासन सेहो बिहार सरकार के' भेजल अप्पन रिपोर्ट म' कहलनि कि शहाबुद्दीन के जेल सँ लौटलाक बाद सँ सीवान म' दहशत केँ माहौल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ