सहरसा। 19 सितंबर। थाना म' कार्यरत चौकीदा सभ क' पिछला पांच माह सँ वेतन नै भेटल छैन्ह जाहि सँ चौकीदार सभक समक्ष भूखमरी केर स्थिति उत्पन्न भ' गेल छैन्ह। एहि संबंध म' चौकीदार पवन पासवान, गुरूदेव पासवान, दीपनारायण पासवान, सीताराम साह, चुल्हाय कामत सहित आन सभक कहब अछि कि पांच माह सँ वेतन नै भेटलाक कारण घरक अर्थव्यवस्था चरमरा गेल अछि। जाहि कारण बच्चा सभक पढ़ाई, बिमारीक अवस्था म' दबाई आर पाबनि - तिहार सभ किछ प्रभावित भ' रहल अछि। ओतहि गंगा पासवान, साधु पासवान सभक कहब छैन्ह कि चौकीदार सभक वेतन मद केर आवंटन अएलाक बावजूद वेतन भुगतान नै भेला सँ चौकीदार सभ परेशान छैथ।
सहरसा : पांच माह सँ चौकीदार सभ क' नै भेटल छैन्ह वेतन
जितमोहन झा (जितू)
0
जितमोहन झा (जितू)
हमर संक्षिप्त परिचय..
नाम: जितमोहन झा, घरक नाम "जितू"
जन्मतिथि ०२/०३/१९८५ भेल,
श्री बैद्यनाथ झा आ श्रीमति शांति देवी केँ सभ स छोट (द्वितीय) सुपूत्र।
स्व.रामेश्वर झा पितामह आ स्व.शोभाकांत झा मातृमह।
गाम-बनगाँव, सहरसा जिला। एखन मुम्बईमे एक लिमिटेड कंपनी में पद्स्थापित।रुचि : अध्ययन आ लेखन खास कs मैथिली ।
पसंद : हर मिथिलावासी के पसंद पान, माखन, और माछ हमरो पसंद अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।