अनंत चतुर्दशी
~ कि हउ बच्चा भोरहि -भोर सजल डाली मे कथि कतय नेने जाइत छऽ ?
~ से अहाँ के नहि बुझल अछि से ?
~ कि नहि हमरा बुझल अछि ? आ सब गप हमरा बुझले रहत कि हम जमुद्री शास्त्रक ज्ञाता रहि जहिना !
~ हयउ आय अनंत चतुर्दशी छियै ने !
~ त कि भेलय ? एहि दिन कऽ लोक डालि लऽ भेल फिरै छय कि ?
~ अरे नहि ! लोक डालि लऽ कऽ किआ फिरतहि ?
~ तखन तूं किआ लेने फिरैत छऽ ?
~ यउ एहि डाली मे अनंत भगवान छथिन आ हुनक प्रसाद छैन्ह !
~ ऐंऽ हउ नाम छियैन्ह अनंत आ तोरा डालि मे कोना समटायल छथुन ? सेहो भोजनक संग कि हुनाक तों कैद कऽ धेने छऽ ! एहि अनंत'क कोन अर्थ ? भगवान सेहो कहैत छऽ तखन - - -
~ ओह ! एहि मे अनंतक डोरा लेने छियैन्ह ! हे देख लियहु - - -
~ आहिरेवा तों तऽ आर हद्द केलह ! अनंत'क डोरा सेहो एतनी टा कऽ ?
~ जाय दियऽ अहाँ संग के लागत ? नास्तिक लोक छि अहाँ ?
~ जाहऽ उचित गप बजलहु तऽ नास्तिक भऽ गेलहु !
प्रसाद
~ प्रसाद लिऽ यउ लाल कक्का
~ एऽह लाबह - लाबह ! मुहा कने मधुर अधिक कऽ दैह तोरा तऽ बुझले छऽ जे हम मधुरक कतेक स्नेहि छी !
~ हं से हमरा बुझल अछि परंच एहि मधुर जाँउ ताकऽ लागह तऽ गोंज - गोजा भऽ जेतैक !
~ अच्छऽ छोड़ह जैह भेटैत छ सैह लाबह ! हउ मुदा एतेक रास प्रसाद कोना एकत्र केने छऽ ?
~ आय अनंत भगवान के पूजा छलनि ने , से समस्त गामक लोक प्रसाद पठबौने छलैक !
~ ऐंऽ हउ तखन तऽ क्षीर सागर केंऽ निर्माण'क हेतु दूग्ध सेहो आयल हेतऽ ने ?
~ हं यउ ! कहि से नहि लोक देतहि , एहनो भेलय हं ?
~ तखन इ प्रसादे टा किआक क्षिर किआक ने अनलह ?
~ हे हइया लिऽ इयो अपन - - - - - !
~ आह ! धन्य एहि गामक लोक आ धन्य पूजा करेनिहार केनिहार आ संग धन्य दूर्योधन कृष्ण आ पांडव ! आनंद आनंद भऽ गेलय !
जन्म वर्षी
~ लाल कक्का ! नोत दैत छी यउ !
~ आबह - आबह बैसह कने सुस्ताय लैह , तखन - - - -
~ जाय दिऽ आरो गोटे कैंऽ नोत देवा'क अछि !
~ हउ कखुनका नोत देलह सेहो नहि कहलह ? आ परायल जायत छऽ - - -
~ साँझूक कक्का ! छः सात बजे आवि जायव !
~ परंच ई नहि कहलह जे कोन उपलक्ष मे नियंत्रित केलह अछि ?
~ वर्षी छैइक ! तकरहि शुभ-अवसर पर सत्य ना० भगवानक पूजा आ ब्राह्मण भोजन !
~ किनक वर्षी हउ ? हमरा जहाँ धड़ि स्मरण अछि एहि मास मे वर्षी कहाँ किनकहु - - - - ! आ वर्षी केर तरीका सहो अजीब तरहक कहलह अछि( सत्यना० पूजा ) !
~ हमर अपनहि वर्षी थिक यउ कक्का !
~ हाऽऽऽऽ हाऽऽऽऽ तोंहु कमाले केलह ! हउ जिवैत लोक'क कहुं वर्षी भेलय अछि !
~ जन्म वर्षी थिक यउ !
~ एहंऽ तोंहु मुदा हद्द केलह ! ओना बजलह उचिते गप ,
देखय छियै एकर प्रचलन आय - काल्हि ठीके बड्ड बेसी बढ़ि गेलहि अछि ! किआक से नहि कहि ?
~ पहिलुका लोक'क मुइला केर बाद वर्षी होइत छलैक, आबक लोक पहिनहि अपन जिवतहि आँखिक सोझाँ मे कऽ लैत अछि !
~ आबक लोक एतेक तेजगर कोना भ गेलय से नहि कहि ? वर्तमान मे सब काज क लेबऽ चाहैत अछि - - - -
~ बात से नहि छैइक बात विश्वासक छैइक ! आब बाप बेटा पर आ बेटा बाप पर विश्वास नहि करैत अछि ! तखन अबैय बला अँग्रेजीया पीढ़ि पर कोन विश्वास !
~ हउ ठीके कहलह अछि, तोहर बात हमरहु पसीन परल ! परंच कैइम वर्षी छियह से नहि कहलह ?
~ चौबीसम कि पच्चीसम नीक संऽ यादो नहि अछि !
~ तऽ देखहक तोरा जखन सेहो नहि मोन छऽ तखन - - - -
ओना जाऽ हम समय संऽ आवि जेवह ! आ तों एनहिहे जूग - जूग धड़ि जन्म वर्षी मनावैत रहऽ आ हमरा सनक ब्राह्मण के खुआबैत रहऽ
वी०सी०झा"बमबम"
कैथिनियाँ

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।