मुम्बई। 16 सितंबर। कैल्ह गुरुवार दिन अनंत चतुर्दशी केँ मौका पर भगवान श्री गणेश क' अंतिम विदाई देल गेलन्हि। दस दिन धरी चलाई बला ‘गणेश चतुर्थी’ उत्सव के समापन पर मुंबई म' ढोल नगाड़ा केर धूम आर कड़ा सुरक्षा के बीच गणेश प्रतिमाक विसर्जन संपन्न भेल, रिमझिम बारिश केँ संग विसर्जनक दरमियान चहुओर ‘गणपति बप्पा मोरया, पुढ़च्यावर्षी लवकर या’ के जयकारक गूंज गुंजयमान होइत रहल। कैल्ह दिन भरी बारिश होयबाक बावजूद लोग सभक उत्साह म' कुनु कमी देखबाक लेल नै भेटल। भगवान श्री गणेश केँ अंतिम विदाई घरी लोग सभ बारिश के बावजूद सड़क पर नाचैत गाबैत रहला।
महाराष्ट्र प्रशासन द्वारा ‘लाल बागचा राजा’ आर ‘गणेश गल्ली चा राजा’ सहित मशहूर गणेश पंडाल के लाखों श्रद्धालु सभक भीड़ के संभावना क' देखैत व्यापक इंतजाम कायल गेल छल। विसर्जन प्रक्रिया सुचारू ढंग सँ होय इ सुनिश्चित करबाक लेल बृहन्मुंबई महानगरपालिका (बृ.मुं.म.न.पा.) आर शहर केँ पुलिस द्वारा हेलीकॉप्टर आर ड्रोन के तैनाती सहित व्यापक इंतजाम कायल गेल छल।
बृ.मुं.म.न.पा. के एक अधिकारी कहला कि प्रतिमा विसर्जन करबाक लेल कुल 31 कृत्रिम तालाब केर निर्माण कायल गेल जखन की समूचा महानगर म' एहेन 69 प्राकृतिक तालाब अछि जाहिठाम विसर्जन होयत अछि। हुनका अनुसार 607 लाइफगार्डस, 58 नियंत्रण प्रकोष्ठ आर शहर म' 74 प्राथमिक उपचार केंद्र के स्थापना कायल गेल छल। सुरक्षा क' ध्यान म' राखैत 81 से बेसी मोटर बोट्स आर 60 एंबुलेंस तैनात कायल गेल छल।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।