शहाबुद्दीन क' कोर्ट सँ भेटल न्याय : लालू प्रसाद यादव

पटना। 16 सितंबर। गैंगस्टर शहाबुद्दीन क' जमानत भेटला पर मचल विवाद केँ बीच आरजेडी प्रमुख लालू प्रसाद यादव कहला शहाबुद्दीन क' कोर्ट  सँ न्याय भेटल अछि। एक टीवी चैनल सँ बातचीत म' लालू यादव कहला  कि शहाबुद्दीन पर बेवजह केर विवाद मचाओल जे रहल अछि, हुनका कोर्ट जमानत देलनि। ओहिक लेल लालू या नीतीश कुमार किछ नै केलन्हि। एहि मामला पर महागठबंधन के बिच दरारक गप क' खारिज करैत लालू यादव कहला कि इ सब फालतूक गप छी, हम सब साथ छी।

लालू यादव शहाबुद्दीन दिस सँ नीतीश कुमार क' परिस्थिति केँ मुख्यमंत्री कहै बला सवाल पर कहला कि हुनका हम सभ मुख्यमंत्री बनेना छी।  शहाबुद्दीन के जमानत क' सुप्रीम कोर्ट म' चुनौती दै बाला सवाल पुछला पर लालू यादव कउनु जबाब नै देलनि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ