पटना। 17 सितंबर। बिहार कर्मचारी चयन आयोग (Bihar Staff Selection Commission - BSSC) द्वारा जूनियर इंजीनियर (असैनिक/यांत्रिक) परीक्षा (Junior Engineer (Civil/Mechanical) Exam 2016) केँ परिवर्तित परीक्षा तिथि घोषित कायल गेल अछि।
बिहार कर्मचारी चयन आयोग के नवीनतम विज्ञप्ति (विज्ञापन संख्या: 0411) के अनुसार इ परीक्षा आब 25 सितंबर, 2016 क' आयोजित होयत।
अपने क' बता दी कि BSSC Junior Engineer (Civil/Mechanical) Exam 7 अगस्त 2016 क' भोजपुर (आरा) जिलान्तर्गत आयोजित होय बला छल, जाहिके तिथि परिवर्तित करि 18 सितंबर, 2016 घोषित कायल गेल छल। परीक्षा के तिथि एक बेर पुनः आगे बढ़ाओल गेल अछि। आब इ परीक्षा 25 सितंबर, 2016 क' भोजपुर (आरा) के विभिन्न परीक्षा केन्द्र सभ पर आयोजित होयत।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।