रोडरेज क' घटना : न्यायिक हिरासत में विधायक पुत्र



न्यूज़ डेस्क : औरंगाबाद जिलाक' दाउदनगर थाना क्षेत्र अंतर्गत नीमा पेट्रोल पंपक' समीप अपन कार के ओवरटेक नै देबा पर ओबरा सs राजद विधायक वीरेंद्र सिन्हा के पुत्र कुणाल प्रताप के एक युवक के कथित तौर पर छुरा घोंप के आरोप में बितल राइत न्यायिक हिरासत में जेल भेज देल गेल. 
पुलिस अधीक्षक सत्यप्रकाश कहला कि इस मामला में अकोरहा पंचायत प्रमुख कुणाल प्रताप के बितल राइत न्यायिक हिरासत में जेल भेज देल गेल.पुलिस अधीक्षक बतैला कि घायल युवक पिंटू यादव आब खतर सs बाहर अछि
सत्यप्रकाश कहला कि पिंटू द्वारा दर्ज करैल गेल प्राथमिकी में हालांकि कुणाल पर ओवरटेक नै करै देबे के कारण छुरा घोंप देबे क' आरोप लागैल गेल अछि पर एहन प्रतीत होयत अछि कि दोनों एक ही गांव भगवान बिगहा क' अछि आर  हुनका बीच पुरानी रंजिश के लक इ घटना घटित भेल होयत.
विधायक वीरेंद्र सिन्हा छुरा घोंपे के कोनो भी घटना के घटित होबा स इनकार करैतकहला कि एहन में हुनकर पुत्र के घटना में संलिप्तता के प्रश्न कहां उठैत अछि .

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने