पाकिस्तानी सीमा केँ भीतर हमला करबाक अनुमति चाहैत अछि सेना

दिल्ली। 19 सितंबर। जम्मू-कश्मीर के उड़ी सेक्टर यूनिट पर भेल भीषण आतंकी हमला म' 20 जवान गवा चुकल भारतीय सेना आब बदला चाहैत अछि। सेना चाहैत अछि कि पाकिस्तान सँ सटल 778 किलोमीटर लंबा  एलओसी पर पाक क' बेहद कठोर जवाब देल जाय।

भारतीय सेना एलओसी पर तोप सभक तैनाती आर अन्य ऑपरेशंस क' मंजूरी देबाक मांग क' सकैत अछि। एतबे नै भारतीय सुरक्षा बल के एक पैघ वर्ग चाहैत अछि कि सरकार सीमा पार हमला पर सेहो विचार करैथ। सुरक्षा बल के कहब अछि कि सरकार क' पाकिस्तानी सीमा के भीतर सीमित, लेकिन कड़ा हमला करबाक अनुमति देबा पर विचार करबाक चाही।

उड़ी हमला ल'के गृह मंत्री राजनाथ सिंह एक हाई लेवल मीटिंग क' रहल छैथ। बैठक म' रक्षा मंत्री मनोहर पर्रिकर सेहो मौजूद छैथ। एहि के अलावा बैठक म' बीएसएफ आर सीआरपीएफ के डीजी, खुफिया एजेंसी रॉ, आईबी आर राष्ट्रीय सुरक्षा एजेंसी के प्रमुख सेहो मौजूद छैथ। मानल जे रहल अछि  कि एहि बैठक म' पाकिस्तान के खिलाफ एक कड़ा रणनीतिक कार्रवाई पर चर्चा भ' सकैत अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ