शहाबुद्दीन के जमानतक खिलाफ बिहार सरकार पहुँचल सुप्रीम कोर्ट

दिल्ली। 16 सितंबर। शहाबुद्दीन के याचिका क' खारिज करबाक लेल अंततः बिहार सरकार सुप्रीम कोर्ट म' याचिका दाखिल केलनि। शहाबुद्दीन के जमानत पर रिहा भेलाक बाद सँ बिहार सरकार के लगातार आलोचना भ' रहल छल। सरकार पर शहाबुद्दीन पर क्रिमिनल कंट्रोल ऐक्ट लगेबाक  दबाव सेहो बनाओल जे रहल छल। दुइ दिन पहिने बिहार सरकार  संकेत देना छल कि शहाबुद्दीन के जमानत खारिज करबाक लेल सुप्रीम कोर्ट जायत। आय शुक्रवार दिन  सरकार  सुप्रीम कोर्ट म' याचिका दायर केलनि।

सभ सँ पहिने वकील प्रशांत भूषण  सीवान के चंद्रकेश्वर प्रसाद (चंदा बाबू) के तरफ सँ सुप्रीम कोर्ट म' याचिका दाखिल केना छलाह जाहि पर सोमवार दिन सुनवाई होयत। चंदा बाबू के तीन बेटा केर हत्याक आरोप शहाबुद्दीन पर लागल अछि। शहाबुद्दीन क' हत्या के एहि मामला म' सजा सुनाओल जे चुकल अछि। चंदा बाबू अप्पन याचिका म' कहलनि कि हुनकर बेटा सभक हत्या के मामलाक सुनबाई क' पटरी सँ उतारबाक लेल बाहुबली सँ राजनीतिज्ञ बनल राष्ट्रीय जनता दल (RJD) के पूर्व सांसद शहाबुद्दीन अप्पन आजादी केँ दुरुपयोग करता।

चंद्रकेश्वर प्रसाद आरोप लगेलनि कि शहाबुद्दीन केँ रिहाई सँ हुनकरजान क' खतरा उत्पन्न भ' गेल छैन्ह, किएक जे हुनकर दुइ बेटा के हत्या सँ संबंधित मामला म'  राजद नेता क' पहिने सजा सुनाओल जे चुकल अछि।  पटना हाई कोर्ट शहाबुद्दीन क' एहि आधार पर जमानत देलनि कि चंदा बाबू के तेसर बेटा के हत्याक मामला केँ एखन सुनवाई शुरू नै भेल छल। चंदा बाबू  आरोप लगेलनि कि हुनकर तीनो बेटा केँ हत्या इये बाहुबली नेता के द्वारा कायल गेल। हुनकर तेसर बेटा के  हत्या म' शहाबुद्दीन मुख्य आरोपी छैथ।

शहाबुद्दीन पर कैको आपराधिक मामला चली रहल अछि, जाहि में 8 म' हुनका दोषी सिद्ध कायल जे चुकल अछि। हत्या के दुइ मामला म' शहाबुद्दीन क' उम्रकैद के सजा सेहो भ' चुकल अछि। हाले म' पत्रकार राजदेव रंजन केँ हत्या करेबाक आरोप सेहो शहाबुद्दीन पर लागल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ