मैथिल अभियानी श्री ललन चौधरी केर किडनी प्रत्यारोपण लेल सुच्चा मैथिल आयोजित क' रहल अछि स्वेच्छादान शिविर

मुम्बई। 17 सितंबर।  जुझारू मैथिल अभियानी श्री ललन चौधरी जे किडनी केँ गंभीर रोगसँ ग्रसित छथि। हुनकर किडनी प्रत्यारोपण लेल सुच्चा मैथिल  संगठन द्वारा एक नीक पहल केँ शुरुवात कायल जे रहल अछि। सुच्चा मैथिल दिस सँ आयोजित विश्वकर्मा पूजा म' एहिबेर संगठन द्वारा दुइ गोट नीक डेग उठाओल गेल अछि।

पहिल विश्वकर्मा पूजनोत्सव केँ उपलक्ष्य म' आय दिनांक 17 सितंबर दिन म' 2 बजे सँ स्वामी विवेकानन्द स्कूल, संतोषभुवन, नालासोपारा पूर्व, पालघर, म' फ्री हेल्थ चेक-अप कैंप केँ आयोजन भ' रहल अछि। दोसर श्री ललन चौधरी केर किडनी प्रत्यारोपण लेल स्वेच्छादान शिविर  केँ आयोजन भ' रहल अछि।

सुच्चा मैथिल केर वरिष्ठ सदस्य श्री रामनरेश शर्मा समस्त मैथिल लोकनि सँ आवाहन केलनि कि विश्वकर्मा पूजा म' आबि क बाबा के दर्शन करि आ सन्ध्या 6-10 बजे तक डायरेक्टर मुरलीधर के टीम द्वारा "मुरलीधर नाईट" के आनन्द उठाबि ।

मुम्बई रहनिहार समस्त मैथिल लोकनि सँ निवेदन जे सुच्चा मैथिल दिस सँ आयोजित विश्वकर्मा पूजा म' आबि संगे ललन चौधरी उर्फ़ ललन दरभंगावाला के किडनी प्रत्यारोपण लेल यथा शक्ति आर्थिक मदद करि ।

निवेदक
सुच्चा मैथिल परिवार
पता : जय जगदीश्वर वेलफेयर सोसाइटी अन्ड्राडिश कंपाउंड, स्वामी विवेकानन्द स्कूल, संतोषभुवन, नालासोपारा पूर्व, पालघर, महाराष्ट्र


एक नजरि एम्हरो दी : मैथिल जनसँ एक अपील, आऊ सब मिल किडनी केँ गंभीर रोगसँ ग्रसित श्री ललन चौधरी जी केँ जिनगीक रक्षा करि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने