दरभंगा। 27 अगस्त। बेनीपुर अनुमंडलीय क्षेत्र केँ मकरमपुर गाम स्थित बजरंगबली मंदिर प्रांगण म' कैल्ह शुक्रवार दिन झुण्डक - झुण्ड लोग ध्वजारोहन करि बजरंगवली केँ पताका लहरोलानि। ध्वजारोहन केँ बाद मंदिर प्रांगण मेँ जुटल श्रद्धालु सभ द्वारा एक संग बजरंगबली के जयकारा लगेबा सँ पूरा मंदिर प्रांगण गूंजायमान भ' गेल छल। श्रद्धालु सभक भारी भीड़ के कारण मंदिर प्रांगण छोट परी गेल छल। बहेड़ा-झंझारपुर मुख्य पथ क' मकरमपुर चौक सँ मंदिर प्रांगण तक ग्रामीण सभ द्वारा आकर्षक ढंग से सजाओल गेल छल। ध्वजा रोहन के बाद बजरंगबली मंदिर म' श्रद्धालु सभ रोट, लडडू, मिठाइ आदि चढ़ा क' मन्नत मांगलनि।
ग्रामीण सीताराम चौधरी, हेमनाथ चौधरी, बिजय कुमार चौधरी, संतोश चौधरी, भुटाई चौधरी, शशीभूषण चौधरी, नित्यानंद चौधरी, बिंदु चौधरी सहित सभ ग्रामीण कहला कि सैकड़ों बरख पहिने सँ एहि मंदिर म' बजरंगवली केँ ध्वजारोहन करबाक परमपरा चलैत आयब रहल अछि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।