सहरसा : भवटिया म' दुर्गा मैयाक मंदिर लेल कायल गेल भूमि पूजा, एहि बरख सँ होयत मेलाक आयोजन

सहरसा। 27 अगस्त। प्रखंड केँ हटिया गाछी भवटिया म' गुरूवार दिन दुर्गा मैयाक मंदिरक निर्माण लेल भूमि पूजन कायल गेल। ग्राम विकास समिति भवटिया केँ सहयोग सँ एहि मंदिर केर निर्माण होयत। मंदिर निर्माण काज लेल ग्रामीण सभ गुरूवार दिन भोरे बैंड-बाजा केँ संग गामक  भ्रमण भ्रमण करैत भूमि पूजन स्थल पहुँचलनि। जाहि ठाम वेद मंत्र के उच्चारणक संग दुर्गा मैयाक मंदिर निर्माण हेतु भूमि पूजन कायल गेल।

ग्रामीण शिवाकान्त झा द्वारा दुर्गा मंदिर निर्माण हेतु दान देल गेल भूमि पर ग्राम विकास समिति के सदस्य सभ बड़ा धूमधाम सँ भूमि पूजन केलनि। समिति केँ एक सदस्य कहला कि एहि बेर ग्रामीण सभक सहयोग सँ खरहक घरे म' माँ दुर्गा केर प्रतिमा बनाओल जायत आर मेला केँ आयोजन कायल जायत।

दुर्गा मंदिर निर्माण ल' केँ ग्रामीण सभ कैको बरख सँ प्रयासरत छल, मुदा जमीन उपलब्ध नै होयबाक कारण मेला केँ आयोजन नै होयत छल। एहि बेर दुर्गा मंदिर लेल जमीन उपलब्ध होयबाक कारण ग्रामीण सभ काफी उत्साह के संग माँ दुर्गा-पूजा करबा मेँ जुटल छैथ। ग्राम विकास समिति केँ सदस्य सभ द्वारा माँ दुर्गा केर प्रतिमा बनेबा आर मेलाक आयोजन करबाक निर्णय लेल पर लोग सभ बहुत उत्साहित छैथ। भूमि पूजन केँ मौका पर ग्राम विकास समिति केँ सदस्य सभक अलावा बहुत संख्या म' ग्रामीण सभ उपस्थित छलाह।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने