मिथिला राज्य लेल अ.भा.मि.पा. केँ हस्ताक्षर अभियान आय सँ शुरू होयत


समस्तीपुर। 27 अगस्त। समस्त मैथिल लोकनि केँ सूचित क् रहल छी जे, अखिल भारतीय मिथिला पार्टी आय सँ मिथिला राज्य लेल हस्ताक्षर अभियानक शुरुआत क् रहल अछि। अभियानक शुरुआत आय समस्तीपुर सँ पार्टीक बिहार प्रदेश महासचिव श्री उमेश चन्द्रा भारती आ पार्टीक राष्ट्रीय महासचिव श्री रत्नेश्वर जी'क् अगुआई मे होयत। 

पार्टी अई के अभियान समूचा देश भैरि मे चलायत जाहिठाम मैथिल रहै छथि।  अभियानक मुख्य लक्ष्य 30 लाख मैथिल द्वारा हस्ताक्षरित निवेदन महामहिम राष्ट्रपति के सौंपबाक अछि। पार्टी समस्त मैथिल सँ अहि अभियान मे सहयोगक अपील सेहो करैछि।

 सादर।

रोहित यादव
 प्रदेश सचिव - अखिल भारतीय मिथिला पार्टी - दिल्ली

एक टिप्पणी भेजें

4 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।