सहरसा। 27 अगस्त। मिथिलाक सुप्रसिद्ध गाम, विद्वान् आ कुशल जनशक्तिक मूल भूमि बनगाँव, सहरसा जिला म' कैल्ह सांझ कृष्ण जन्मोत्सव (कृष्णा मेला) विसर्जन केँ बाद स्वर्गीय अरविन्द झा (माधव बाबु) मास्टर साहेब केर याद म' क्यूज प्रतियोगिता केँ आयोजन बाबाजी कुटी प्रांगन मेँ संपन्न भेल।
सहरसा केँ सुप्रसिद्ध राहुल सर केँ नेतृत्व म' उच्च विधालय सभक बिच क्यूज प्रतियोगिता केँ आयोजन छल। जाहि मेँ शांति मिशन एकेडमी बरियाही, नवोदय विधालय बरियाही, महिषी उच्च विधालय, कलावती उच्च विधालय इत्यादी विधालय केँ छात्र सभ भाग लेलनि। प्रतियोगिता म' प्रथम पुरुष्कार शांति मिशन केँ छात्र, दुतिय पुरुष्कार जवाहर नोवोदय विधालय केँ छात्र आ तृतीय पुरुष्कार कलावती उच्च विधालय केँ छात्र क' भेटलनि।
विजेता विद्यालय आर छात्र/छात्रा सभ क' पुरस्कार केँ रूप मेँ बनगाँव दुनु पंचायत केर मुखिया आर गामक बुद्धिजीवी लोकनि द्वारा सील्ड आर मेडल देल गेल। एहि आयोजन केँ मुख्य अथिति B.N.M.U केँ कुलपति श्री जय प्रकाश नारायण झा छलाह। प्रथम विजेयता क' आर्यन कैब सर्विस दिस सें 1100/- टक्का आर दुतिय विजेयता क' 600/- टक्का नगद पुरुष्कार देलन्हि। संगहि सभ छात्र - छात्रा केँ आनबा आर ल जेबाक लेल आर्यण कैब केर चारि गोत गाड़ी निःशुल्क सेवा देलन्हि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।