मधुश्रावणी पूजि रहलि नव विवाहिता लोकनिक वास्ते एकटा टटका विषहरि गीत.

 मधुश्रावणी पूजि रहलि नव विवाहिता लोकनिक वास्ते एकटा टटका विषहरि गीत ।

विषहरि गीत
~~~~~~~~
सौन मास आहे विषहरि दर्शन देल
राम देखिते विषहरि के माथा लेल झुकाय-२
भाग ओ सोहाग विषहरि सब के दियौ
राम धिया पुता सब पर रहियौ सहाय -२
दुध फूल लावा देव तोहरो चढ़ाय
राम रक्षा करू आहे विषहरि सब केर आइ
जाही ओ जूही विषहरि अनलहुँ सजाय
राम मैना पात सुन्दर विषहरि
देब बैसाय -२
गलती जे कोनो तकरा छेमि दीय 
राम अबल शरण मणि सुनियौ गोहारि -२ ।।
 - मणिकांत झा  , दरभंगा
      ३ अगस्त २०१६

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ