बाबा गरीबनाथ मंदिर में जलाभिषेक लेल जुटल भिर मुदा प्रशाशन के लापरवाही स भेल भगदर आ दू दर्जन स बेसी कांवरिया भेला चोटिल.

मुजफ्फरपुर ०२ जुलाई:- बाबा गरीबनाथ के जलाभिषेक करै लेल आयल कवारियां के बिच भेला भगदर सं दू दर्जन सं बेसी कवारियां चोटिल भ गेलाह आ कवारियां केर नियंत्रण करैक लेल पुलिस लाठी चार्ज सेहो केलैन्ह आ भिर के नियंत्रित करै काल सिटी एसपी आ पूर्वी एसडीओ के सेहो हल्का चोट आयल आ एक पुलिस के आइंख सेहो चोटिल भेल इ घटना रबी दिन राइत के करीब साढ़े तिन बजे गरीबनाथ मंदिर स पाँच सौ मीटर के दुरी पर टावर चौक पर घटल.
बाबा गरीबनाथ मंदिर आयल कांवरिया केर भिर नियंत्रित करैक लेल करीब ५० सं बेसी पुलिस कर्मी के २० मिनट धरी करी मशक्कत करय परलैन्ह आ लाठीचार्ज के बाद कांवरियां के बिच भगदर मचल.
भगदर कारन गिर जेबाक कारन स दू दर्जन स बेसी कांवरिया के चोटिल हेबाक खबर अइछ आ बाद में स्व्यंगसेवक बाद में हुनका सब के सहारा द क पंक्तिबद्ध करबेलैन्ह.
जखन की सब कांवरिया जलाभिषेक करैक लेल टावर चौक स पंक्तिबद्ध छलाह आ सब कांवरिया के नियंत्रित करै लेल आ ठीक स पंक्तिबद्ध करबैक लेल पर्याप्त पुलिस बल नै छल आ इ दुर्घटना प्रशाशन के चूक के वजह स भेलइ.
आठ दस पुलिसकर्मी तैनात छल मुदा हुनक डुइटी कोनो अनधिकृत व्यक्ति या गाड़ी कांवरियाक रास्ता में नै प्रवेश करै.
रात्रि में जखन एके बेर चैर पाँच हजार कांवरिया केर भिर टावर चौक पर जमा भेल ओतय पैरो राखय के जगह नै छल आ कांवरियां के ओतय अबैक सिलसिला जारी छल मुदा प्रशाशन के व्यवस्था बड़ा लचर छल जाहि ल क इ घटना घटल.

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने