मधुबनी। 3 अगस्त। विद्यापति स्मारक संरक्षक मंडल केँ एक बैसार विद्यापति टावर परिसर मेँ प्रो.कुलधारी सिंह केर अध्यक्षता मेँ संपन्न भेल। बैसार मेँ टावरक रखरखाव पर विचार कायल गेल। उपस्थित सभ गोटा टावर केँ चारदिवारी पूरब एव पश्चिम दिस दुकानदार द्वारा बाटक अतिक्रमण पर चिंता व्यक्त केलाह।
एसडीओ सदर आर सीओ रहिका क' आवेदन देबाक निर्णय बैसार म' भेल। नगर परिषद केर कार्यपालक पदाधिकारी आ अध्यक्ष सँ विद्यापति टावर केर नियमित सफाई करेबाक आग्रह कायल गेल। प्रो.कुलधारी सिंह, प्रो.सर्वनारायण मिश्र, डा.सीएम झा, लाल बहादुर सिंह, सीताराम यादव, ज्योतिरमण झा, नीलांबर मिश्र सहित बहुतो लोग बैसार म' उपस्थित छलाह। बैसार केँ संचालन कपिलदेव झा केलाह।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।