
अमित शाह आई गुजरात में:-
अमित शाह आई गुरुवार क गुजरात के दौरा करता आ पार्टी के नेता सब स बिचार बिमर्श करता आ कैल्ह शुक्र दिन बिधायक दल के बैसार के सेहो सम्भावना अइछ आ भाजपा संसदीय बोर्ड केंद्रीय मंत्री नितिन गडकरी आ भाजपा सचिव सरोज पांडेय के नब नेता चुनै के लेल केंद्रीय पर्यवेक्षक नियुक्त केलकैन्ह.
अमित शाह दावेदार नई:-
भारतीय जनता पार्टी के वरिष्ठ नेता एम वेंकैया नायडू कहलैन्ह जे संसदीय बोर्ड के बैसार अमित शाह के अध्यक्षता में भेल जाहि में प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सेहो हिस्सा लेलैन्ह,अमित शाह के उम्मीदवारी के इनकार करैत नायडू कहलखिन्ह जे अमित शाह पार्टी अध्यक्ष बनल रहता आ हुनक जरुरत राष्ट्रीय स्तर पर अइछ आ बता दी जे मुख्यमंत्री के दौर में सब स आगू राज्य कैबिनेट में दोसर नंबर के नेता मानै बला नितिन पटेल आ राज्यक भाजपा अध्यक्ष विजय रूपानी सब स आगू चैल रहल छैथ.
आनंदीबेन के उम्रक हबाला देलैन्ह:-
नायडू कहलैन्ह जे आनंदीबेन पटेल अपन जिम्मेदारी स मुक्त होबाक लेल अपन इक्षा जतेलैन्ह कियेकि ओ आब ७५ वर्ष के हेबै बाली छैथ.
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।