दरभंगा : 12 जुलाई : कथित इस्लामिक उपदेशक डॉ. जाकिर नाइक कs बिहार सs सम्बन्ध के बात सामने एला . अपन भड़काऊ भाषण के जरिए मुस्लिम नौजवान सब के ब्रेन वॉश करी क आतंक के लेल उकसाब के मामले में चर्चा में आएल नाइक सेहो बिहारक दौरा कs चुकल छैथ .
केंद्रीय गृह मंत्रालय के तरफ से आब एफसीआरए मामले में नव जांचक सामना कर रहल जाकिर नाइक के बिहार सs मजबूत लिंक के बात एजेंसियों की जांच में सामने एला .
इंडिया टुडे के मुताबिक एनआईए नाइक के कते किताब , आलेख आर तस्वीर-पोस्टर्स सब बारमद कएलक . साल 2011 में भेल दरभंगा मॉड्यूल आतंकी हमला के दौरान स मिलैत जुलैत संदर्भ देखक एजेंसी दंग रही गेल .
दरभंगा सs गिरफ्तार आतंकि के पास नाइक के किताब
रिपोर्ट के मुताबिक इंडियन मुजाहिदीन के करीब 14 आतंकियों के साल 2010 से 2014 के बीच दरभंगा सs गिरफ्तार कैएल गैल .
लाइब्रेरी से चलैत छल इंडियन मुजाहिदीन कs ऑपरेशन
दिलचस्प बात अछि कि सब गिरफ्तारिय में एक लाइब्रेरी सs रिश्ता सामने आएल रहे . सब आतंकी नियमित तौर पर एही लाइब्रेरी के इस्तेमाल करैत छल . दरभंगा के एही दार-उल-किताब सुन्ना लाइब्रेरी के बारे में रिपोर्ट अछि कि इंडियन मुजाहिदीन के दरभंगा मॉड्यूल के संचालन एही लाइब्रेरी स होयत छल .
लाइब्रेरी में लगातार आबैत छल यासीन भटकल
सुरक्षा एजेंसियों एही लाइब्रेरी के सीज केने छल, ओहि में स जाकिर नाइक के लेख, किताब आर किछु संबंधित सामान बरामद भेल रहे . एजेंसिय बतेलक कि साल 2012 बिहार-नेपाल सीमा पर गिरफ्तार इंडियन मुजाहिदीन के फाउंडर यासीन भटकल भी एही लाइब्रेरी में लगातार आबैत - जाइत रहैत छल.
गांधी मैदान बम धमाक में नाइक से रिश्ता
ओहि समय के बीजेपी से प्रधानमंत्री पदकs उम्मीदवार नरेंद्र मोदी कs गांधी मैदान, पटना रैली में भेल बम धमाका के बाद गिरफ्तार केएल गेल संदिग्ध आतंकि के पास भी जाकिर नाइक के ओहने किताब आ और तस्वीर बरामद भेल छल .
किशनगंज में नाइक केने छल मुस्लिमक रैली
जाकिर नाइक साल 2012 में बिहार के सीमावर्ती जिला किशनगंज में मुस्लिम कs एक रैली सेहो आयोजित केने छल . दरभंगा के स्थानीय वार्ड काउंसलर मुन्ना खान के कहब छैन कि एनआईए टीम जांच के दौरान कतेको किताब आर सीडी जब्त केने छल . दरभंगाक' नाम आतंकवाद सs जुड़ब दुर्भाग्यपूर्ण अछि . अगर जाकिर नाइक के किताब एहीठाम सs बरामद भेला, तs एही के आर गहराई सs जांच करबाक जरूरत अछि .
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।