कोलकाता ! 15 जुलाई ! पश्चिम बंगाल में दार्जलिंग स बागडोगरा जाए काल में राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जीक काफीलाक एक कार आई दुर्घटनाग्रसित भ गेल जाहि में छह सुरक्षाकर्मी घायल भ गेला भेटल जानकारी के अनुसार ई हादसा के कारन काफी कोहरा छल जहि वजह स गारी अनियंत्रित भ क एक मोर पर गड्ढा में खसि परल एही काफिला के साथ राज्य के मुख्य्मंत्री ममता बनर्जी सेहो छलीह संगहि राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जीक बेटी आ कांग्रेस केर नेता शर्मिष्ठा आ भाई अभिजीत सेहो साथ छलाह बचाव कार्य के निगरानी खुद ममता बनर्जी के देख रख में भ रहल छैक सब सुरक्षा कर्मी के सुरक्षित बाहर निकैल इलाज के लेल अस्पताल पहुंचा देल गेलैन्ह, राष्ट्रपति कार्यालय स ट्वीट क क एही घटना के जानकारी देल गेल.
एही घटना के तुरत बाद प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी फोन कs बंगाल के मुख्य्मंत्री स बात केलैन्ह आ बता दी जे एही घटना में राष्ट्रपति संग सब आदमी सुरक्षित छैथ.
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।