समस्तीपुर मेँ दोहरा हत्या, किछू बाजै सँ बची रहल अछि पुलिस

समस्तीपुर।  19 जुलाई। कैल्ह सांझ समस्तीपुर मेँ अपराधि सभ अंधाधुंध फायरिंग करी दुई महिला केर हत्या क' देना अछि।

एहि दोहरा हत्याकांड सँ पूरा शहर मेँ खौफ केर माहौल बनी गेल अछि, मुदा समस्तीपुर केँ पुलिस वारदात के बाद सेँ मामलापर किछो भी बाजै सँ परहेज क' रहल अछि।

जानकारी केँ मुताबिक नगर थाना क्षेत्र के गणेश चौक मेँ रहे बला रेलकर्मी रामनरेश साह केर कनियाँ प्रतिभा देवी अप्पन पुतहु केर संग  अप्पन  रिश्तेदार केँ घर छोटका बेटा केँ फलदानक प्रसाद देबा गेल छलखिन।

ओहिठाम सेँ घुरैत काल किछ अज्ञात अपराधि हुनका दुनु पर अंधाधुंध फायरिंग शुरू क' देलनि, जाहि मेँ प्रतिभा देवी के मौत घटनास्थले पर भ' गेलनि, हुनकर पुतहु मंजू देवी केँ गोली लगलाक बाद अस्पताल मेँ भर्ती कराओल गेल, जाहिठाम इलाज केर दौरान हुनकर मौत पटना मेँ भ' गेलनि। एहि वारदात केँ पाछु की  वजह छैक, एहि केर खुलासा एखन धरी नै भेल अछि। एहि संदर्भ मेँ हुनक परिजन सभक कहब छैन्ह जे हुनका सभ केँ किनको सँ कुनु दुश्मनी नै अछि। समस्तीपुर पुलिस मामला केर जांच मेँ भीरल अछि, जाहि मेँ एखन धरी कुनु सफला पुलिस केँ नै भेल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ