पूर्वी चंपारण। 22 जुलाई। राज्य मेँ शराबबंदी के बाद शराब सँ जुरल नव - नव खिस्सा सभ दिन सामना आइब रहल अछि। कैल्ह गुरुवार दिन पूर्वी चंपारण जिला केर अरेराज नगर पंचायतक वार्ड संख्या तीन म' एक पंडा केर घर सेँ बहुत मात्रा मेँ शराबक खेप आर शराब बनबै बला मशीन बरामद कायल गेल अछि।
बरामद शराब केँ संग आबकारी विभागक टीम घर केँ मालिक नवल गिरी पंडा क' गिरफ्तार केना अछि। नवल गिरी पंडा बिहार केँ सवार्धिक प्रसिद्ध व प्राचीन सोमेश्वर नाथ महादेव मंदिर, अरेराज मन्दिर परिसर मेँ पूजन सामग्री बेचैत व पूजा-पाठ करबैत छलखिन।
भेटल जानकारी केँ मुताबिक़, अवैध व नकली शराब बनेबाक काज पंडा केँ बेटा करैत छलाह, जे छापामारी केर दरम्यान घर नै छलाह। परिणाम इ भेल घर पर उपस्थित पंडा क' अप्पन कुपुत्र केँ कुकर्मक सजा भुगते परलैन्ह।
एहि छापामारी केर दरम्यान पंडा के घर सेँ आरएस, मैक्डवेल ब्रांड केर 126 बोतल विदेशी शाराब व 500 खाली बोतल संगे 200 लिटर स्प्रिट व रंग, एसेंस सहित शाराब बनबै व सील कराइ बला मशीन जब्त कायल गेल अछि।

0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।