
मोतिहारी 21 जुलाई:- बिहार के पूर्वी चम्पारण केर जिला मोतिहारी के कल्याण पुर थाना छेत्र में एक टा महिला अप्पन तीनु बच्चा के संग जहर खा क आत्महत्या क लेलैन्ह, आत्महत्या के कारन पारिवारिक झगड़ा बतेल जा रहल अइछ,ओतय के पुलिस के अनुसार हरिवंश बहुआरा गाँव के राघवेंद्र ओझा के घर में बराबर झगड़ा होइत छलै,ओहि लेल परिवारक झगड़ा स तंग आबि क राघवेंद्र ओझा के पत्नी प्रेमा देवी अप्पन तीनु बेटी अमृता 20 साल,गुड्डी 18 साल आर गुडेन 16 साल के संग जहर खा एही संसार स बिदा लेबैक मोन बना क खाना में जहर मिला आत्महत्या क लेली आ अपन इहलीला समाप्त केलैन्ह,
जखन हुनक घर के आदमी के पता लागल त चारु के नाजुक हालत में कल्याणपुर स्वास्थ्य केंद्र ल गेलाह लेकिन हुनक हालत खराब देखैत चिकित्सक मोतिहारी सदर अस्पताल रेफर क देलखिन्ह लेकिन इलाज के समय सब के मृत्यु भ गेलैन्ह, कल्याणपुर थाना के प्रभारी संजय कुमार बतेलैन्ह जे चारु शव के अंत्यपरीक्षण के लेल भेज देल गेल अइछ आ पुलिस एही मामला के खोज बिन में लागी गेल छैथ.
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।